7 यदि उ पहिन्का करारमे खोट नै रहतियै त दोसर करारके आबसेक्ते नै परतियै।
मोसाके बेबस्था अनुसार लेबीके कुलके लोक पुजारी हैके अधिकार पाबने छेलै, महज ओइसबके कामसे सब लोकसबके सिध करैले नै सक्लै। ओहैसे लेबी कुलके हारुनके सन्तानसे पुजारी नै भ्याके मल्कीसेदेक जखा दोसर पुजारीके खाचो नै परतियै।
मोसाके बेबस्था कमजोर आ बेकामके भेलाके कारन खारेज भेलछै।
तब कि बेबस्था परमेस्वरके परतिग्याके बिरोधमे छै त? कदापी नै। यदि बेबस्था पालन कैरके लोकसब अनन्त जिबन पाबैले सक्तियै त, बेबस्थे लोकसबके परमेस्वरके अगा धरमी ठहराइतियै।
महज येसुके भेटल सेबाके काम औरो पुजारीसबके कामसे एकदमे सेरेस्ठछै। ओहिनङे परमेस्वर आ ओकर लोकसबके बिचमे येसुके बान्हल लबका करार पुरन्का करारसे सेरेस्ठछै, कथिलेत यि करारके जग उतम परतिग्यासबमे आधारितछै।