2 उ महापबितर ठाममे परधान पुजारी भ्याके सेबाके काम करैछै। उ साँचो महापबितर ठाम त लोकसब नै बनाइनेछै, महज परभु आपनेसे बनाइनेछै।
हमरासबके थाहछै कि हमसबके यि बास करल नासबान देह पाल जखा चियै, जे एक दिन नास हेतै तैयो परमेस्वरके देल देह स्वरगमे अनन्ततक रहैबला घर जखा हेतै, जे लोकके हाथसे नै बनलछै।
हम तोरासबके यि बात कहैचियौ कि, परमेस्वर यहुदीसबके पिता-पुरखासबसङे करल परतिग्या सत छै से देखाबैले खिरिस्ट यहुदीसबके सेबक बन्लै।
अबराहम सबदिन रहैबला जग भेल सहरके आस करैछेलै। ओइ सहरके योजना करैबला आ निरमान करैबला परमेस्वरे चियै।
उ परमेस्वरके घरमे अधिकार पाबल अपनासबके परधान पुजारी चियै।
तुसब खिरिस्टमे होनाइ साँचोके खतना पाबनाइ चियौ। लोकके हाथसे लगाइबला खतना नै महज खिरिस्टसे खतना भेलचिही। यि खतना तोरासबके पाप स्वभाबके सक्तीसे छुटकरा पाबैके लेल चियै।
आ कहल्कै, “तोरासबसङे रहैतकाल हमर बोलल्हा बचन एहा चियै, अरथात मोसाके बेबस्था, अगमबक्ताके किताबसब आ भजनसङगरहके किताबमे हमर बारेमे लिखलाहा सबबातसब पुरा हैए परतै।”
पहिनेके करारमे परमेस्वरके आराधना करैले धारमिक नियमसब राखल छेलै। सन्सारमे लोकसबके बन्याल एकटा आराधना करैबला ठाम सेहो छेलै।
हरेक पुजारी दिन-दिने ठार भ्याके बली चरहाइबला काम करैछै आ बेर-बेर एके किसिमके बली चरहाबैछै, जे बलीसे कहियो पाप मिटाइले नै सक्तै।
तब हम सिंहासनसे एहेन कहल एकटा बरका अबाज सुनलियै, “देख, परमेस्वरके बास लोकसबसङे भेल छै। परमेस्वर ओइसबसङे बास करतै आ उसब ओकर लोकसब हेतै। परमेस्वर आपने ओइसबके परमेस्वर भ्याके ओकरासबसङे रहतै।