6 महज पुजारी मल्कीसेदेक त लेबी बंससे नै छेलै, तैयो उ अबराहमसे दसान्स पाबल्कै। उ परमेस्वरके परतिग्या पाबैबला अबराहमके आसिरबाद देल्कै।
अबराहम बेबस्था पालन करलाके कारनसे नै महज परमेस्वरमे करल बिस्बास दुवारा धरमी ठहरलाके चल्ते परमेस्वर ओकरा आ ओकर बेटा-बेटीसबके सन्सारके हकबला बनाबैके परतिग्या करल्कै।
परमेस्वर अबराहमके जाँच करैबेर बिस्बासके भरमे अबराहम आपन बेटा इसहाकके बली चरहाइके लेल तयार भेलै। अबराहम परतिग्या करल चिज त पाबने छेलै, तैयो उ आपन एकलौता बेटाके बली चरहाइके लेल तयार भेलै।
मल्कीसेदेक सालोम सहरके रजा आ महान परमेस्वरके पुजारी छेलै। जखैन अबराहम रजासबके लराइमे जितके घुइमके आबैत रहै तखैन मल्कीसेदेक ओकरा भेटके आसिरबाद देल्कै।
परमेस्वर, अबराहम आ ओकर सन्तानसे करल परतिग्या अहिनङे छेलै। पबितर धरमसास्तरमे द्याल उ परतिग्या “बहुतो सन्तानसबके” लेल नै, महज “एक गोरेके” लेल मातरे छेलै आ उ दोसर कोइने चियै, उ त केबल खिरिस्ट चियै।
उसब इजराएली चियै आ परमेस्वर ओकरासबके आपन बेटा-बेटीसब बनेल्कै। उ आपन महिमा ओकरासबके परकट करल्कै। ओकरासबसङे करार बानहल्कै, बेबस्था देल्कै आ आराधना करैले सिखेल्कै। उसब ओकर परतिग्या पाबल्कै।
तुसब उहे अगमबक्ता आ उहे भबिसबानीके बेटाबेटी चिही। जे परतिग्या परमेस्वर तोहर पुरखासब जरे बन्हने छेलै। परमेस्वर अबराहमके अनङ कहल्कै, ‘तोहर खानदानसे पिरथिबीके सब जातीसब आसिस पाबतौ।’
उ सबलोक परमेस्वरके परतिग्या करल बात नै पाइबके बिस्बासेमे मरलै। उसब परमेस्वरके परतिग्या करल बात दुरेसे देखल्कै आ स्वागत करल्कै, तब उसब अइ पिरथिबीमे आपनेके परदेसी आ परबासी चियै कैहके ठानल्कै।
छोट लोक बरका लोकसे आसिरबाद पाबैछै से बात सबकोइ जानैछै।