27 औरो परधान पुजारीसबके करल जखा उ पहिने आपन लेल तब औरोके पापके लेल दिन-दिने बली चरहाइते नै रहेपरतै, कथिलेकी उ एके बेरमे सबदिनके लेल आपने आपके बलीके रुपमे अरपन करल्कै।
ओहिनङे बहुतो लोकके पाप छमाके लेल खिरिस्ट एकेबेर बली भेलै। उ दोसर बेर एतै त, ओइ बखत पाप छमाके लेल नै एतै, महज ओकरासबके मुक्तीके लेल एतै जेसब ओकर बाट ताकैत असियाल रहतै।
खिरिस्ट सिधा महापबितर ठाममे सबदिनके लेल एकेबेर ढुकलै। उ छागर आ बछासबके चरहाल बलीके लहु ल्याके नै ढुकलै, महज आपने लहु ल्याके ढुकलै आ अपनासबके सबदिन रहैबला मुक्ती देल्कै।
खिरिस्टके लहुसे औरो कतेक बेसीसे तोरासबके बिबेकके मरल कामसबसे सुध करतौ ताकि तुसब जिबित परमेस्वरके सेबा करैले सक। कथिलेत उ अनन्त आत्मासे आपनेके दाग नै लागल बलिके रुपमे परमेस्वरके अरपन करल्कै।
जनङ खिरिस्ट अपनासबके परेम करल्कौ, तहिनङ तुहुसब एक-दोसरके परेम कर। उ अपनसबके खातिर परमेस्वरके अगा आपनेके गमगम करैबला भेटी आ बलिदानके रुपमे अरपन करल्कै।
अहैले लोकसबके पापके लेल मातरे नै महज आपने पापके लेल सेहो बलिदान चरहाइले ओकरा कर लागैछै।
येसु खिरिस्ट अपनासबके सब पापसबसे मुक्तीदैले आ सब खराबिसबसे छुटकारा दैले आपन परान निछावर करल्कै। उ यि चाहल्कै कि हमसब असल काममे उत्सुक हेबी आ ओकर अपने निज लोक हेबेसकी।
पापके बन्धनसे छुटकरा करैके खातिर खिरिस्ट सबदिनके लेल एकेबेर मरलै। आब जे जिबन खिरिस्ट जियैछै, उ जिबन परमेस्वरके लेल जियैछै।
इजराएलीसबके परधान पुजारी त आपन नै महज पसुके बलीके लहु ल्याके साले पिछे महापबितर ठामभितर ढुकैछेलै, महज खिरिस्ट त बेर-बेर आपनेसे बलिदान हैले नै गेलै।
महज दोसर कोठलीके महापबितर ठाममे परधान पुजारी मातरे बरिसके एकबेर जाइछेलै। उ लहु ल्याके मातरे जाइले पाबैछेलै। उ लहु आपन पापके लेल आ लोकसबके अन्जानमे करल पापके लेल उ चरहाइले जाइछेलै।
सब परधान पुजारी परमेस्वरके अगा लोकेसबके परतिनिधी करैके लेल लोकेसबमेसे चुनल जाइछै। उ लोकसबके तरफसे परमेस्वर लग पापके बलिदान आ भेटी चरहाइले नियुक्त हैछै।
तु गैर-यहुदीसब सेहो ओकरमे औरो जनसबसङे उ घर बनैचिही, जते परमेस्वरके आत्मा बास करैछै।
यदि उ अइ पिरथिबीमे रहतियै त पुजारी नै हेतियै, कथिलेकी बेबस्था अनुसार भेटी चरहाइबला पुजारीसब त पहिनेसे छेलै।
यदि एहैन हेतियै त सन्सारके सिरिस्टीके सुरुवातेसे ओकरा बारमबार दुख भोगैले परतियै। महज अइ जुगके अन्तमे उ सबदिनके लेल एकेबेर परगट भेलै आ पाप हटाबैले आपने बलिदान भेलै।