17 कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै, “मल्कीसेदेक जखा अहाँ सबदिनके लेल पुजारी चियै।”
दोसर ठाममे उ अनङ कहल्कै, “तु मल्कीसेदेक पुजारी जखा, सबदिनके लेल पुजारी चिही।”
ओकर कहल बात पबितर धरमसास्तरमे अनङ लिखल छै, “‘तु सबदिनके लेल पुजारी चिही।’ कैहके परमपरभु किरिया खेनेछै आ उ आपन मन नै बदलतै।”
मल्कीसेदेक जखा दोसर पुजारी आइबगेलाके कारन आब लेबी कुलके पुजारी पद आ बेबस्था फेरलछै कैहके औरो परस्टे हैछै।
परमेस्वर ओकरा मल्कीसेदेक जखा परधान पुजारीके पदमे नियुक्त करल्कै।
अपनासबसे लेल येसु त पहिने ओइ ठाममे गेल छै। मल्कीसेदेक पुजारी जखा उ सबदिनके लेल अपनासबके खातिर परधान पुजारी भेलछै।
मोसाके बेबस्था अनुसार लेबीके कुलके लोक पुजारी हैके अधिकार पाबने छेलै, महज ओइसबके कामसे सब लोकसबके सिध करैले नै सक्लै। ओहैसे लेबी कुलके हारुनके सन्तानसे पुजारी नै भ्याके मल्कीसेदेक जखा दोसर पुजारीके खाचो नै परतियै।