15 मल्कीसेदेक जखा दोसर पुजारी आइबगेलाके कारन आब लेबी कुलके पुजारी पद आ बेबस्था फेरलछै कैहके औरो परस्टे हैछै।
मोसाके बेबस्था अनुसार लेबीके कुलके लोक पुजारी हैके अधिकार पाबने छेलै, महज ओइसबके कामसे सब लोकसबके सिध करैले नै सक्लै। ओहैसे लेबी कुलके हारुनके सन्तानसे पुजारी नै भ्याके मल्कीसेदेक जखा दोसर पुजारीके खाचो नै परतियै।
मल्कीसेदेकके बाबु-माँ आ ओकर बंसके बारेमे कुछो थाह नै छै। ओकर जलम आ मरनके बारेमे सेहो कुछो थाह नै छै। परमेस्वरके बेटा जखा उ सबदिनके लेल पुजारी चियै।
महज उ बचन ओकर हिरदयमे नै गरलाके कारन कुछदेर मातरे रहैछै। तब परमेस्वरके बचनमे बिस्बास करलाके कारन जब दुख आ सताबट आबैछै तब बिस्बाससे पछा हैट जाइछै।
दोसर ठाममे उ अनङ कहल्कै, “तु मल्कीसेदेक पुजारी जखा, सबदिनके लेल पुजारी चिही।”
यि बात परस्टे छै कि, अपनासबके परभु त यहुदाके कुलसे जलम लेनेछै। यहुदाके कुलसे पुजारी हैबला बातके बारेमे मोसा किछो नै कहनेछै।
येसु लोकसबके देल आग्या आ नियमके आधारमे पुजारी नै भेलछै, महज कहियो नास नै हैबला जिबनके सक्तीके आधारमे पुजारी भेलछै।