10 जहिनङ परमेस्वर आपन काम पुरा कैरके बिसराम लेल्कै तहिनङ बिसराम पाबैबला ठाममे ढुकैबलासब सेहो आपन-आपन कामसे बिसराम पाबतै।
तब स्वरगसे हम एकटा एहेन अबाज सुनलियै, “यि बात लिख: आबसे परभुके सेबा करैत-करैत मरैबला लोक धन्यके चियै।” पबितर आत्मा अनङ जबाफ देल्कै, “साँचेके! उसब आपन आपन मेहनतसे आराम पाबतै, कथिलेत उसब आपन करल काम अनुसार इनाम पाबतै।”
महज खिरिस्ट सबदिनके लेल पुगैबला पापके लेल एकेटा बली स्वयम आपनेके चरहाइल्कै आ परमेस्वरके दहिनाकात बैठलछै।
तब येसु उ पिके कहल्कै, “आब पुरा भेलै।” तकरबाद उ आपन मुरी तर कैरके परान तियाइग देल्कै।
परमेस्वरके महिमाके इजोत ओकरेमे चम्कैछै आ वह्या परमेस्वरके साँचो रुप चियै। ओकरे सक्तीसाली बचनसे अकास आ पिरथिबीमे भेल सब चिजके अराइनेछै। उ लोकसबके पाप सुध करलाके बाद स्वरगमे रहैबला महिमीत परमेस्वरके दहिनाकात बैठलछै।
परमेस्वर सातम दिनमे बिसराम करल जखा, परमेस्वरके लोकसबके लेल बिसराम दिन बाकिछै।
परमेस्वर ओइसब हरेकके एकटा-एकटा उजर बस्तर देल्कै आ ओकरासबके अनङ कहल्कै कि तोरासबके सङी सेबक आ भाइसबके तोरेसबके गन्ती जतहेक नै मारैतक बिसराम कर।