19 हमसब यि देखैचियै कि बिस्बास नै करलाके कारन उसब बिसरामके ठाउमे पुगैले नै सक्लै।
तोरासबके यि सब बात थाहे छौ तैयो किछ बात याद कराइले चाहैचियौ कि परमपरभु आपन लोकसबके मिसर देससे छुटकरा कैरके आनल्कै। महज ओइसबमेसे बिस्बास नै करैबला सबके पाछे बिनास कैरदेल्कै।
जे कोइ परमेस्वरके बेटामे बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। जे कोइ परमेस्वरके बेटाके नै मानैछै, से कोइ अनन्त जिबन नै पाबतै महज ओकर उपर परमेस्वरके करोध परतै।
ओकर उपर बिस्बास करैबला कोइने दोसी ठहरतै, महज ओकर उपर बिस्बास नै करैबलासब पहिने दोसी ठहैरगेलछै। कथिलेत उसब परमेस्वरके एकलौता बेटाके बिस्बास नै करने छै।
बिस्बास करैबला आ बप्तिस्मा लैबलासब उदार पाबतै। महज बिस्बास नै करैबलासब दोसी ठहरतै।
जे कोइ परमेस्वरके बेटामे बिस्बास करैछै, ओकर हिरदयमे अइ बातके साक्छी रहैछै। परमेस्वरके बिस्बास नै करैबला ओकरा झुठा ठहराइछै, कथिलेकी परमेस्वर आपन बेटाके बारेमे देल साक्छीके उ बिस्बास नै करैछै।
अहिनङे जे कोइ सतमे बिस्बास नै करल्कै आ अधरम मे मग्न रहतै उसब दोसी ठहरालजेतै आ सजायके भागिदार हेतै।
तहिनङे यदि इजराएलीसब पस्चताप कैरके बिस्बास करतै त परमेस्वर ओकरासबके फेरसे पहिनेके ठाममे कलमी बान्हतै। कथिलेत परमेस्वर ओकरासबके फेरसे कलमी बान्हैले सक्तै।
हे पिरिय भाइ-भैयासब, होसियार रह। तोरासबमेसे ककरोमे भेल दुस्ट आ अबिस्बासी हिरदय तोरासबके जिबित परमेस्वरसे दुर नै लजाबे।