13 जबतक “आजुके दिन” कहैबला समयछै, तबतक एक दोसरके उत्साह दहै। ओहेन करबिही त, तुसब पापमे नै परबिही आ तोरासबके हिरदय परमेस्वरके इन्कार नै करतौ।
ओहै लेल तुसब एक दोसरके उत्साह दहै आ बिस्बासमे बलगर बना, जनङ तुसब करैत आइबरहल चिही।
परमेस्वरके बचन सुना। बेलोमे कुबेलोमे सुसमाचार सुनाइले नै छोर। पुरा-पुरी धिरजसे लोकसबके सम्झा, चेताबनी दहै आ असल सिक्छासे हिम्मत बरहा।
अहैलेल यि बातसबसे एक दोसरके उत्साह दैत रह।
कथिलेत पाप बेबस्था दुवारा मौका पाइबके हमरा छल करल्कै आ ओहैके हथियार बनाके हमरा मारल्कै।
बरनाबास ओते एलै आ परमेस्वर ओइसबके मन्डली उपर करल किरपा देखके खुसी भेलै। तुसब पुरा हिरदयसे परभुके बिस्बासमे बरहैत रह कैहके उत्साह देल्कै।
सबलोक आपन खराब इक्छाके कारनसे परिक्छामे परैछै।
तोरासबके पुरन्का जिबन आपने खराब इक्छाके कारनसे नस्ट हैतरहौ। तैखातिर तुसब आपन पुरन्का जिबन तियाइदहै।
तुसब जान्बे करैचिही कि माँ-बाबु आपन बेटा-बेटीके सङे केहेन बेबहार करैछै तैहिने हमसब तोरासबसङे हरेक गोराके करलियौ।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, हमर अरती देल बातके मान, कथिलेकी हम तोरासबके यि चिठी छोटमे लिखने चियै।