18 उ आपने दुख भोगल्कै आ परिक्छामे परलै, तैल्याके परिक्छामे परैबलासबके उ सहायता करैले सकैछै।
तोरासबके जिबनमे आबैबला सब परिक्छासब लोकसबके बिचमे आबैबला जखा हैछै। परमेस्वर बिस्बासयोग्य छै, जे तोरासबके सहे नै सकैबला परिक्छामे नै पारतौ। जब तु लोभमे परबिही परमेस्वर तोरा उ परिक्छासे बचैयोके लेल सहायता करतौ। तब तु सहैले सकबिही।
तोरासबके पापमे परैसे बचाइले सकैबला आ आनन्दसाथ आपन महिमाके अगा तोरासबके निरदोस ठहराइले सकैबला परमेस्वरके परसन्सा हेबे।
उ अनजान आ खराब बाटमे लागल लोकसबके नम्र भ्याके सम्झाइले सक्तै, कथिलेकी उ आपने दुरबलतासे घेराल रहैछै।
पिरथिबीके सब जातीसबके जाँचैले अइ सन्सारमे आबैबला दुख कस्टसे हम तोरा बचाइबौ, कथिलेकी तुसब बहुत बात सैहके हमर आग्यापालन करनेचिही।
ओहिनङ परभु धरमी लोकसबके संकटसे बचाबैले आ अधरमी लोकसबके दन्ड दैले नियायके दिन तलिक राखैले जानैछै।
तब अहै खातिर हम दुख उठाइचियै। महज यि बातके खातिर हम लाज नै मानैचियै, कथिलेत हम ककर उपर बिस्बास करनेचियै से हम निकसे जानैचियै। हम जे कुछ परमेस्वरके सौपने चियै, उ आपन आबैबला दिनतक सुरक्छित राख्तै कैहके पुरा भरोसा छै।
हमर पिता ओकरासबके हमर जिमामे देने छै उ सबसे महान छै। हमर पिताके हाथसे त औरो कोइ नै ओकरासबके छिनके लजाबे सक्तै।
हम सबदिन मन्दिरमे तोरेऔरकेसङे छेलियौ। महज हमरा पकरैले तोरौरके साहस नै करलिही। आब तोरौरके काम करैबला समय उहे चियौ आ सैतानके सक्ती ऐहनङे राज करतौ।”
उ आपन सक्तीसे सब चिजके आपन अधिनमे लाबेसकैछै। ओकर यि सक्तीसे अपनासबके यि मैर जाइबला देहके ओकर आपन महिमाके देह जखा हैले परिबरतन कैरदेतै।
तुसब त हमरा सबदुखमे साथ देने चिही।