17 ओहैसे सब बातमे उ आपन भाइ-भैयासब जखा बनैले आबस्यक छेलै। ताकि उ परमेस्वरके सेबामे दयालु आ बिस्बासयोग्य परधान पुजारी बन्लै आ लोकसबके पाप छमा दैकेलेल उ आपने बली भेलै।
स्वरगमे गेल परमेस्वरके बेटा येसु अपनासबके महान परधान पुजारी भेलाके कारन अपनासब ओकरमे करल बिस्बासमे असथिर भ्याके रह।
कथिलेत उ बेटा-बेटीसब लहु आ मासुके देह भेलासे येसु सेहो ओकरेसब जखा भ्याके एलै। उ आपनेसे मिरतु भोइगके मिरतुके सक्ती भेल सैतानके नास करल्कै।
अपनासबके लेल अहिनङे परधान पुजारीके आबसेक्ता छै। जे पबितर, निरदोस, सुधछै। परमेस्वर ओकरा पापी लोकसबसे छुटियाके सबसे उपर स्वरगमे राखल्कै।
कथिलेत अपनासब परमेस्वरके सतरु भेल बखत ओकर बेटाके मिरतु दुवारा अपनासबके आपनसङे मिलापमे आनल्कै। अपनासब ओकर सङी भेलाके कारनसे उ आपन बेटाके जिबनसे अपनासबके बचाइतै।
लोकसबके पबितर बनाबैबला येसु आ पबितर बन्यालगेल सब एकेटा परिबारके चियै। ओहैलेल उ ओइसबके, “आपन भाइ-भैया आ दिदी-बहिनसब” कहैले नै लजाइछै।
मोसा त परमेस्वरके अरह्याल बमोजिम ओकर घरमे बिस्बासयोग्य नोकर भ्याके सेबा करल्कै। ओकर करल सेबासे भबिस्यमे परकट हैबला सत बातके गबाही देल्कै।
एक समयमे तुसब परमेस्वरसे दुर छेल्ही। दुस्ट काम आ बिचार करलाके कारन तुसब परमेस्वरके दुस्मन छेल्ही।
बेबस्था कमजोर लोकसबके परधान पुजारी नियुक्त करैछै, महज बेबस्थासे पछा एल परतिग्यासे परमेस्वर आपने बेटाके सबदिनके लेल सिध परधान पुजारी नियुक्त करल्कै।
आ दुइ जाती बिचके दुस्मनी नास करैले आ एक जाती बनाइले परमेस्वरसङे मेल कराइले उ कुरूसमे बलिदान भेलै।
ओहैसे येसु खिरिस्टके कारन परमेस्वरके लेल हमर करल काममे हम गर्भ करैचियै।
मोसा परमेस्वरके लोकसबके सेबा करैले बिस्बासयोग्य भेल जखा येसु सेहो परमेस्वरके देल काममे बिस्बासयोग्य भेलै।
साँचोके, येसु स्वरगदुतसबके लेल नै, महज अबराहमके सन्तानसबके सहायता करैके लेल एलछै।
ओहैसे परमेस्वरके बोलाबट पाबलहा पबितर जनसब, तुसब आपन धियान येसुमे लगा, जकरा अपनासब परेरित आ परधान पुजारी कैहके सुइकार करैचियै।
कथिलेत अपनासबके परधान पुजारी अपनासबके दुरबलतामे साथ नै दैबला पुजारी नै चियै। उ अपनेसब जखा सब बातमे परिक्छामे परलै महज तैयो पाप नै करल्कै।
सब परधान पुजारी परमेस्वरके अगा लोकेसबके परतिनिधी करैके लेल लोकेसबमेसे चुनल जाइछै। उ लोकसबके तरफसे परमेस्वर लग पापके बलिदान आ भेटी चरहाइले नियुक्त हैछै।
उ अनजान आ खराब बाटमे लागल लोकसबके नम्र भ्याके सम्झाइले सक्तै, कथिलेकी उ आपने दुरबलतासे घेराल रहैछै।
खिरिस्ट सेहो परधान पुजारी हैबला आदर आपने नै लेल्कै, महज ओकरा यि कहैबला आदर देल्कै, “तु हमर पिरिय बेटा चिही आ आइ हम तोहर बाबु भेल चियौ।”
परमेस्वर ओकरा मल्कीसेदेक जखा परधान पुजारीके पदमे नियुक्त करल्कै।
अपनासबसे लेल येसु त पहिने ओइ ठाममे गेल छै। मल्कीसेदेक पुजारी जखा उ सबदिनके लेल अपनासबके खातिर परधान पुजारी भेलछै।
हमसब यि बात कहैले चाहैचियै कि, अपनासबके एहेन परधान पुजारी छै, जे स्वरगके महान परमेस्वरके सिंहासनके दहिनाकात बिराजमान छै।
हरेक परधान पुजारीसब परमेस्वरके भेटी आ बलिदान चरहाबैके लेल नियुक्त भेल रहैछै। अहैलेल अपनासबके परधान पुजारीसङे कुछ न कुछ चिज चरहाइले परतै।
महज खिरिस्ट अखुन अपनासबसङे भेल सब असल बातसबके परधान पुजारी भ्याके एलै। उ औरो असल आ सिध पालमे गेलै, जे लोकके हाथसे बनल नै छै अरथात सिरिस्टी करल अइ सन्सारके चिजो नै चियै।
उ परमेस्वरके घरमे अधिकार पाबल अपनासबके परधान पुजारी चियै।