8 येसु खिरिस्ट काइल, आजु आ सबदिन एकसमान रहैछै।
सब असल आ सब सिध दान स्वरगसे आबैछै। यि बरदान इजोतके पितासे आबैछै। उ छाह जखा कहियो नै बदलैछै।
सरबसक्तिमान परभु परमेस्वर कहैछै, “सुरु आ अन्त हम्ही चियै।” हम उहे चियै, जे छै, जे छेलै आ जे एतै।
अहाँ ओइसबके बस्तर जखा चपोतके राखबै, उ फेर बस्तरे जखा फेरलजेतै। महज अहाँ सबदिन एकसमान रहबै आ अहाँके जिबनके अन्त कहियो नै हेतै।”
एसिया परदेसमे भेल सातटा मन्डलीसबके युहन्नाके गोरलगी, परमेस्वर जे छै, जे छेलै आ जे एतै आ ओकर सिंहासनके अगा रहैबला सातटा परमेस्वरके आत्मासे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले।
कथिलेकी सिलास, तिमोथी आ हम तोरासबके बिचमे परचार करल परमेस्वरके बेटा येसु खिरिस्टमे एके छनमे “हँ” आ एके छनमे “नै” बला बात नै छै, महज ओकरमे हरदम “हँ” मातरे छै।
“तु जे देखैचिही, से एकटा किताबमे लिख आ सातो मन्डलीके अरथात एफिसस, इस्मुरना, परगामम, थिआटिरा, सारडिस, फिलाडेल्फिया आ लाउडिकियाके पठा।”
कथिलेकी परमेस्वरके सब परतिग्या येसु खिरिस्टमे “हँ” कैहके पुरा हैछै, अहैलेल ओकरसे परमेस्वरके महिमाके लेल हमसब “आमेन” कहैचियै।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा, अपनासबके मुक्ती दैबला एक मातरे परमेस्वरके सब आदर, महिमा, सक्ती आ अधिकार जुगो-जुग तलिक हैतरहे। आमेन।