12 ओहिनङे येसु सेहो आपन लहुसे लोकसबके पबितर बनाइके लेल सहरसे बाहर कस्ट भोगल्कै आ मरलै।
तोरासबमेसे कतहेक गोरे एक समयमे अहिनङे छेल्ही, महज तुसब आब परभु येसुके नाममे आ परमेस्वरके आत्मासे धोबल गेलचिही, पबितर भेलचिही आ धरमी ठहरल चिही।
उसब स्तिफनसके पकैरके सहरसे बाहर निकाइलके ल्यागेलै आ ओकरा पथल फेकके मारे लाग्लै। साक्छीसब आपन-आपन बस्तर साउल नामके एकटा छौराके टाङ लग राखने रहै।
खिरिस्ट मन्डलीके बचन रुपी पानीसे धोइबके सुध आ पबितर बनाइल्कै।
तुसब आपने बिचार कर, परमेस्वरके बेटाके अनादर करैबला, आपनेके पबितर बनाइबला करारके लहुके अपबितर करैबला आ अनुगरह दैबला पबितर आत्माके अपमान करैबला लोक औरो बरका सजाय पाबतै।
हम ओइसबके खातिर आपनेके पबितर करैचियै, ताकि उसब सेहो सत्यतामे पबितर हेबे।
लोकसबके पबितर बनाबैबला येसु आ पबितर बन्यालगेल सब एकेटा परिबारके चियै। ओहैलेल उ ओइसबके, “आपन भाइ-भैया आ दिदी-बहिनसब” कहैले नै लजाइछै।
महज सिपाहीसबमेसे एक गोरे ओकर कोइखमे भला भोकल्कै आ तखुन्ते लहु आ पानी निकल्लै।
सबकोइ उठलै आ येसुके ओइ ठामसे धक्का-धुक्कि दैत सहर बाहर निकालल्कै, जै पहारमे सहर बनाइने छेलै ओहैके पहारके टुप्पीमे लज्याके ओकरा खसाइले चाहल्कै।
कथिलेकी येसु खिरिस्ट परमेस्वरके इक्छा पुरा करल्कै। ओहैसे सबदिनके लेल एके चोटी आपन देहके बलिदान द्याके उ अपनासबके सब पापसबसे पबितर करल्कै।
सहरके बाहरमे भेल कोल्हुमे उ अङगुरके पेरल्कै आ ओतेसे लहु निकैलके एकसय कोस तक आ घोराके लगाम तक गेलै।