24 तुसब त परमेस्वर आ लोकसबके बिचमे लबका करार बान्हैबला मध्यस्तकरता येसुलग एलचिही। तुसब हाबिलके लहुसे बेसी असल बातके परतिग्या करैबला येसुके लहुमे एल चिही।
ओहै कारनसे परमेस्वरके परतिग्या करल सबदिन रहैबला अनन्त उतराधिकारी पाबे कैहके उ बोलेल्हासबके लेल खिरिस्ट लया करारके मिलाप कराबैबला चियै, कथिलेत पहिन्का करारके समयमे लोकसबके करल पापसे छुटकरा दैले उ मरलै।
जेठका बेटासबके नास करैबला दुत इजराएलीसबके जेठका बेटासबके मारैले नै पाबे कैहके उ बिस्बास दुवारा निस्तार पाबैन मनाइल्कै आ केबारके चौकठमे बलिदानके लहु लगेल्कै।
बिस्बाससे हाबिल आपन भैया कयिनसे औरो बेसी गरहन योग्य बली परमेस्वरके चरहेल्कै आ ओहैसे हाबिल धरमी ठहरलै। ओकर चरहाल बलीके परमेस्वर सुइकार करल्कै। हाबिल मैरके चैलगेलै तैयो ओकर बिस्बासके उदाहरनसे अखुनो अपनासब सिखैले सकैचियै।
महज येसुके भेटल सेबाके काम औरो पुजारीसबके कामसे एकदमे सेरेस्ठछै। ओहिनङे परमेस्वर आ ओकर लोकसबके बिचमे येसुके बान्हल लबका करार पुरन्का करारसे सेरेस्ठछै, कथिलेत यि करारके जग उतम परतिग्यासबमे आधारितछै।
कथिलेकी परमेस्वर एकेटा छै। परमेस्वर आ लोकसबके बिचमे मिलाप कराइबला एकेटा लोक छै। उ लोक येसु खिरिस्ट चियै।
यि परमेस्वर आ लोकसबके बिचमे समबन्ध बनाबैबला हमर लहु चियै, जे बहुतो लोकसबके पापसे छमा पाबैके लेल बह्याल ज्यारहल छै।
अहै तरहसे पिरथिबीमे धरमी लोकके जतहेक खुन बहलै- धरमी हाबिलके लहुसे लके बेरेक्याहके बेटा जकरियाके लहुतक, जकरा तुसब मन्दिरके पबितर ठाम आ बेदीके बिचमे हतिया करलिही- तकरासबके दोस तोरेसबके कपारमे परतौ।
ऐहनङे ख्यालेलाके बाद उ बाटी लेल्कै आ कहल्कै, “यि बाटी तोरौरके खातिर हमर लहुसे बान्हल लबका करार चियौ। यि लहु तोरेऔरके खातिर बह्याल गेल छौ।
परमेस्वर पिता आपन पहिनेके योजना अनुसार तोरासबके छानल्कौ आ आपने पबितर आत्मासे पबितर बनेल्कौ। येसु खिरिस्टके आग्यापालन करैले आ ओकर लहुके छिटकासे सुध हेबे कैहके उ तोरासबके छानल्कौ। परमेस्वरके अनुगरह आ सान्ती तोरासबमे परसस्त हेबे।
उ आपन लहुके छिटकासे अपनासबके हिरदयके सुध करने छै आ सुध पानीसे अपनासबके देहके धुवाइनेछै। ओहैसे अपनासब साँचो हिरदय आ पक्का भरोसाके साथ परमेस्वरके लग चल।
ओहिनङे मोसा पाल आ धारमिक बिधीमे चलाबैबला सब भरिया-बरतनसबमे लहु छिटल्कै।
भेंरासबके महान चरबाहा अपनासबके परभु येसु आपन लहु बहाके सबदिन रहैबला करार बान्हनेछै। ओहै लहुके आधारमे सान्ती दैबला परमेस्वर ओकरा मिरतुसे फेनसे जियाइल्कै।
यह्या किरियासे येसुके उतम करारके जमानत बनाइछै।
हँ, हम तोरासबके कहैचियौ, हाबिलके खुनसे ल्याके बली बेदी आ परमेस्वरके मन्दिरके पबितर जगहके बिच मारल जकरिया तकके खुनके लेखा अहै पुस्ताके लोकसबसे ल्याल जेतै।
उ ओइसबके कहल्कै, “यि परमेस्वर आ लोकके बिचके समबन्ध अस्थापित करैबला हमर लबका करारके लहु चियौ, जे बहुत लोकके लेल बहाएल जेतै।
महज परमेस्वर आपन लोकसबमे दोस भेटाइल्कै तब कहल्कै, “परमपरभु कहैछै, ‘उ दिन आइबरहलछै, जब इजराएल आ यहुदाके घरानासङे हम एकटा लबका करार बान्हबै।
मिलाप हैकेलेल दुनु पक्छ चाही महज परमेस्वर एक पक्छ मातरे छै।
परमेस्वर यि करारके “लया करार” कहल्कै, ओहैसे ओकर पहिनेके बान्हल करारके पुरना करार ठहरेल्कै। उ करार पुरान हैतजेतै आ जल्दिए नास हैतजेतै।
जब मोसा बेबस्थामे लिखल सब आग्यासब लोकसबके सुनाके पुरा करल्कै तब उ बछा आ छागरसबके लहु पानीमे मिलाके लाल उन आ हिसपके झारसे चोपके बेबस्थाके किताबमे आ सब लोकसबके उपरमे छिटल्कै।