हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, यदि कोनो लोक पापके जालमे परलछै, से जाइनके तोरासबमे जे आत्मिकी चिही, तुसब ओकरा नम्र भ्याके सुधार। तेहन काममे आपनो होसियार रह, नै त तुहुसब परिक्छामे परबिही।
ओहैसे यदि निक हैले चाहैचियै त आपन करल पाप एक-दोसरके अगा सुइकार कर आ एक-दोसरके खातिर परथना कर। धरमी लोकके करल परथनासे परमेस्वर सक्तिसाली आ परभावकारी तबरसे काम करैछै।
जब उसबके सुसमाचारके सत्यता अनुसार चलैत नै देखलियै तब हम सबके अगा पतरुसके कहलियै, “तुसब यहुदियो भ्याके गैर-यहुदीसब जखा जिबनबेतित करैचिही त, कथिले गैर-यहुदीसबके यहुदी बेबस्था पालन करैले कर लगाबैचिही?”