19 इसहाक मरबो करतै त परमेस्वर ओकरा जियाइले सक्तै कैहके अबराहम बिस्बास करल्कै आ साँचोके अबराहम इसहाकके मरलसे जिबित भेल जखा फेनसे पाबल्कै।
येसु घर भितर ढुक्लै त अन्हरो लोकसब ओकरलग एलै। येसु ओकरासबके पुछल्कै, “कि हम यि काम करे सक्बै से तोरासबके बिस्बास छौ?” उसब जबाब दैत कहल्कै, जी, “छै परभु।”
अपनासबके भितर काम करैबला सक्तीसे अपनासबके माङलहा आ सोचलहासे बेसी कैरके परमेस्वर दैले सक्तै।
खिरिस्ट त लोकसबके हाथसे बनल पबितर ठाममे नै ढुकलै, जे सत पबितर ठामके नमुना मातरे चियै, महज उ स्वरग भितर ढुकलै आ अखुन अपनासबके लेल परमेस्वरके अगा ठारभेल छै।
तैयो आदमके समयसे लेके बेबस्था लिखैबला मोसाके समयतलिक मिरतु सब लोकसबमे राज करल्कै। लोकसब आदम जखा त पाप नै करल्कै तैयो उहोसब मरलै। आदमके करल पापके नतिजा सब लोकसब पाबल जखा खिरिस्टके करल कामके नतिजा सेहो सब लोक पाबतै। अनङ आदम त पछा आबैबला खिरिस्टके नमुना छेलै।
हम तोरासबके कहैचियौ, जे लोक बिना कामके बोल्तै, नियाइके दिनमे तकरासे एक-एक कैरके लेखा देबेपरतै।
यि त अखुनके समयमे अपनासबके देखैबला एकटा नमुना मातरे चियै। परमेस्वरके चरहाबैबला भेटी आ बलीसबसे आराधना करैबला लोकसबके हिरदय सुध करैले नै सक्तै।