हे पिरिय भाइसब, यि सन्सारमे तुसब बिदेसी आ परदेसी जखा चिही। हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ, देहके अधलाह इक्छासब पुरा करै दिसन नै लाग। एहेन परकारके इक्छासब तोरासबके आत्माके बिरोधमे उठतौ।
हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, तोरासबके देखलहा आ सुनलहा बातसब बहुतो अगमबक्ता आ धरमी लोकसब देखैके आ सुनैके इक्छा करने छेलै। महज उसब देखैयोले आ सुनैयोले नै पाबल्कै।
हमसब देखैबला चिजसबमे नै, महज नै देखैबला चिजसबमे मन लगाइचियै, कथिलेकी जे चिजसब देखैबला छै, उ कुछ समयके लेल मातरे रहैछै, महज जे चिजसब नै देखाइछै उ सबदिनके लेल रहैछै।