5 अहैकारनसे सन्सारमे आबैतखिना खिरिस्ट परमेस्वरके अनङ कहल्कै, “अहाँ भेटी आ बलीसब नै चाहलियै, महज अहाँ हमर खातिर एकटा देह तैयार कैरदेने चियै।
हमसब पापके लेल मैरके धारमिकताके लेल जियैले सकि कैहके खिरिस्ट अपनासबके पापसबके खातिर आपन देहमे पाप बोइकके कुरूसमे मरलै। ओकर चोटसबसे तुसब निक भेलचिही।
परमेस्वर आपन पहिन्का जलमल बेटाके सन्सारमे पठाबै बखत उ फेनसे अनङ कहल्कै, “परमेस्वरके सब स्वरगदुतसब ओकरे पुजे।”
तब हम कहलियै, ‘हे परमेस्वर, पबितर धरमरसास्तरमे हमर बारेमे लिखल बचन जखा अहाँके इक्छा पुरा करैके लेल हम एलचियै।’”
कथिलेत उ बेटा-बेटीसब लहु आ मासुके देह भेलासे येसु सेहो ओकरेसब जखा भ्याके एलै। उ आपनेसे मिरतु भोइगके मिरतुके सक्ती भेल सैतानके नास करल्कै।
कथिलेकी येसु खिरिस्ट परमेस्वरके इक्छा पुरा करल्कै। ओहैसे सबदिनके लेल एके चोटी आपन देहके बलिदान द्याके उ अपनासबके सब पापसबसे पबितर करल्कै।
महज परमेस्वरके देल समय पुरा भेलाके बाद आपन बेटाके पठाइल्कै। उ जनिके कोखसे जलमलै आ बेबस्थाके अधिनमे जलमल छेलै।
कथिलेत बहुतो धोखा दैबलासब सन्सारके बहुतो ठामसबमे पुइगगेल छै, जेसब येसु खिरिस्ट देहधारी भेल छै कैहके नै सुइकारैछै। एहैन लोकसब धोखा दैबला आ खिरिस्ट बिरोधी चियै।
हरेक परधान पुजारीसब परमेस्वरके भेटी आ बलिदान चरहाबैके लेल नियुक्त भेल रहैछै। अहैलेल अपनासबके परधान पुजारीसङे कुछ न कुछ चिज चरहाइले परतै।
परमेस्वरके परकट करल सत्यके सन्देस अचमके चियै आ अकरा कोइ नै इन्कार करे सक्तै। खिरिस्ट मानब बैनके परगट भेलै आ पबितर आत्मासे धरमी ठहरल गेलै। स्वरगदुतसब ओकरा देखल्कै आ जाती-जातीके बिचमे ओकर बारेमे परचार भेलै। सन्सारमे लोकसब ओकरा बिस्बास करल्कै आ उ महिमाके सङे स्वरगमे उठ्यालगेलै।
तब बचन लोक बैनके अपनासबके बिचमे बास करल्कै आ अपनासब ओकर महिमा देखलियै, जे महिमा परमेस्वरसे आबैबला एक मातरे बेटामे छेलै। उ आपनौरके पुरा रुपसे अनुगरह करैछै आ सत बात मातरे बोलैछै।
स्वरगदुत ओकरा जबाफ देल्कै, “पबितर आत्मा तोहर उपरमे एतौ आ महान परमेस्वरके सक्तिके छाह तोहरमे परतौ। तैल्याके जल्मैबला बच्चा पबितर हेतै आ उ परमेस्वरके बेटा कहाइतै।
“उ जे आबैबला छै, से अहै चियै, कि हमसब दोसरके पेरा ताकु?”
यि पुछैले परभु लग पठाइल्कै, “जे आबैबला कि अहाँ उहे चियै? कि हमसब दोसरके आस करु?”
येसु अइ सन्सारमे रहैतकाल मिरतुसे बचाबेबला परमेस्वरसङे जोरसे कानैत बिन्ती आ परथना करल्कै। ओकर नमरता आ भक्तीके कारन ओकर परथना परमेस्वर सुनल्कै।
पहिने उ कहल्कै, “अहाँ बली आ भेटीसब नै चाहैचियै, होमबली आ पापबलीसब अहाँ नै चाहैचियै। यी सबसे अहाँ खुसी नै भेलियै।” यि त बेबस्था अनुसार चरहाबैछेलै।