35 अहैलेल तुसब आपन यि भरोसा नै तियाग। तोरासबके अकर बरका इनाम मिल्तौ।
तैखातिर हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, बिस्बासमे बलगर आ अस्थिर रह। तुसब परभुके काममे बरहैत जो, कथिलेत तुसब जानैचिही कि परभुमे तोरासबके मेहनत बेरथ नै हेतौ।
महज खिरिस्ट त घरके अधिकार पाबल बिस्बासयोग्य बेटा भ्याके सेबा करल्कै। यदि हमसब आपन आसामे अन्तिमतक भरोसा आ गर्भ कैरते रहबै त अपनोसब परमेस्वरके घरके सदस हेबै।
तब तुसब आसिस पाबबिही, कथिलेत उसब तोहर गुन घुमाइले नै सक्तौ। ताब परमेस्वर आपन धरमी जनसब पुनरूथान हैतकाल तोरा इनाम देतौ।”
मिसर देसके धन-सम्पतीसे त बरु खिरिस्टके लेल निन्दीत हैले उ मुल्यबान सम्पती ठानल्कै। कथिलेकी उ आपन नजर इनाम दिसन लगाइने छेलै।
तब खुसी आ आनन्द मना, कथिलेत तोरासबके खातिर स्वरगमे बरका इनाम राखल छौ। अहिनङे तोरासबसे पहिनेके अगमबक्तासबके उसब सताइने रहै।
स्वरगमे गेल परमेस्वरके बेटा येसु अपनासबके महान परधान पुजारी भेलाके कारन अपनासब ओकरमे करल बिस्बासमे असथिर भ्याके रह।
यदि अपनासब खिरिस्टमे करल सुरुके भरोसाके अन्ततक जोगाके राखबै त, अपनोसब खिरिस्टसङे साझा हकदार हेबै।
“जे हमरा लोकसबके सामने परभु कैहके सुइकार करतै, तकरा हम्हु स्वरगमे रहैबला आपन पिताके सामने सुइकार करबै।
जे हमर छोटसे छोट चेलासबमेसे ककरो हमर चेला कैहके एक लोटा जुर पानी पियैले देतै त, हम साँचेके कहैचियै उ आपन इनाम नै गुमाइतै।”
कथिलेकी स्वरगदुतसबसे घोसना करल सन्देस सत छेलै आ जे कोइ ओइके पालन नै करल्कै या नै टेरल्कै, सेसब दन्ड पाबल्कै।
येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैके कारन हमसब साहस आ भरोसाके साथ परमेस्वरके अगा आबैले पाबैचियै।
अहैलेल पिरिय भाइ-भैयासब, येसुके लहुके कारन अपनासब महापबितर ठाममे साहसके साथ ढुकैले सक्बै।
तहै खातिर तुसब होसियार रह, जै बातके लेल तुसब मेहनत कैररहल चिही, तैके नै हरा बल्की तुसब पुरा इनाम पाबैबला भ्याजो।