27 महज पाप करैबलासब डराइते परमेस्वरके इन्साफके असियाल रहतै आ परमेस्वर आपन बिरोधीसबके जरैत आइगमे नास करतै।
आब हमसब एहैन महान मुक्तीके वास्ता नै करबै त, अपनासब कनङके दन्डसे बाच्बै? यि मुक्तीके बारेमे सबसे पहिने परभु येसु आपनेसे परचार करल्कै आ ओकर बचन सुनैबलासब अपनासबके लेल पक्का परमानित कैरदेल्कै।
जकर-जकर नाम जिबनके किताबमे लिखल नै भेटलै, ओकरासबके आइगके भठिमे फेकदेल्कै।
होसियार रह, तोरासबसङे बोलैबलाके इन्कार नै कर। यदि अइ पिरथिबीके लोकसे देल चेताबनीके इन्कार करैबला भागैले नै सक्तै त स्वरगसे चेताबनी दैबलाके इन्कार करबिही त कनङके बाचैले सकबिही?
जहिनङ लोकसबके एकबेर मरनाइ निस्चित छै तहिनङ मरलाकेबाद ओकर नियाय निस्चित छै।
आ आइगके धिधरामे झोइक देतौ। ओते उसब कान्तै-खिजतै आ दाँत किट-किटेतै।”
उसब चिच्याके कहल्कै, “हे परमेस्वरके बेटा, हमरासबसे अहाँके कोन काम? कि समयसे पहिने अहाँ हमरासबके सताबैले एलचियै?”
सोना-चानीमे बिज लाइग गेल्छौ। एह्या बिज तोरासबके बिरोधमे गबाही देतौ आ आइगके जखा तोरासबके देहके जराइतौ। यि जुगके अन्तके दिनमे तुसब धन-सम्पैतके ढेरी लगाइनेचिही।
कथिलेकी अपनासबके परमेस्वर त भसम करैबला आइग चियै।
“तकरबाद उ आपन बमा कता भेल्हासबके कहतै, हे परमेस्वरसे सराप पाबलाहा लोकसब। हमरसे दुर चैल जो! सैतान आ ओकर दुतसबके लेल तैयार करल कहियो नै मुझाइबला आइगमे चैल जो।
आ ओइसबके आइगके धिधरामे फेकदेतै। ओते लोकसब कान्तै आ दाँत किट-किटेतै।
फटकैबला सुपा ओकरे हाथमे छौ आ उ आपन खरहियानके आपने साफ करतौ। आपन गहुम बखारीमे जम्मा करतौ, महज भुसा जतेक सब नै बुताइबला आइगमे जराइतै।”
अखुन गाछके जैरमे कुरहाइर परे लागल छै, कथिलेत असल फल नै फरैबला सबगाछ काइटके आइगमे फेकल जेतै।
उसब हिमालके कहतै ‘हमरासबके उपर खैस पर’ आ पहारके कहतै ‘हमरासबके तोइप दहै।’
सन्सारमे हैले आबैबला घटनासबके समैझके लोकसब मुरछा परतौ, कथिलेत अकासके सक्तिसब थर-थर कापे लाग्तौ।
आब हमरा ओइसबके उपर राज करैत नै देखे सकैबला बिरोधीसबके हमरलग आन आ हमरे अगामे मार!’”
तब उ चिच्याके कहल्कै, ‘हे पिता अबराहम, हमर उपर दया कैरके लाजरसके पठादिय आ उ आपन औङरीके टुप्पी पानीमे डुबाके हमर जिहके जुर कैरदेतै, कथिलेत हम अते आइगके धिधरामे बहुत दुख भोइगरहलचियै।’
आ चिहानसे बाहर निकैलके एतै। निक काम करैबलासब अनन्त जिबनके लेल आ दुस्ट काम करैबलासब अनन्त दन्डके लेल जि के उठतै।