26 यदि सतके ग्यान पाबियोके हमसब जाइन बुइझके पाप कैरते रहबै त, अपनासबके करल पापके लेल आब कोनो बलिदान बाकी नै छै।
येसु ओइसबके कहल्कै, “यदी तुसब अन्हर रहतिही त पापके दोसी नै हेत्ही, तुसब त ‘हमसब देखैचियै’ कहैचिही, अहैसे तुसब दोसी रहलिही।”
“आपन मालिकके इक्छा जाइनके तयार नै रहै आ करैबला काम नै करैछै तेहन मुखियाके मालिक सजायके भागिदार बनेतै।
कोइ असल करे परैछै कैहके बुझने रहैछै महज बुझियोके नै करैछै त, उ पाप करैछै।
कोनो लोक बिस्बासीके पाप करैत देखैछै आ उ पापके नतिजा मिरतु नै हेतै त, ओकरलेल परमेस्वरसङे परथना कैर दैहे आ परमेस्वर ओकरा जिबन देतै। महज मिरतुमे लजाइबला पाप सेहो छै, ओकरलेल परथना कैरदहै कैहके हम नै कहैचियौ।
नास हैबलासबके उ दुस्टतासे छकाइतै, कथिलेत उसब मुक्तीदैबला सतके नै मन पराइल्कै।
यि बातसब जाइनके उ करैचिही त, तुसब धैनके हेब्ही।
एक समयमे हम्हु परमेस्वरके निन्दा करैबला आ ओकरमे बिस्बास करैबलासबके सताइबला आ दुरछिया करैबला लोक छेलियै। महज परमेस्वर हमरा दया करल्कै कथिलेकी उ कामसब हम अन्जानमे करलियै आ ओइ बखत हम परभुके नै चिन्है छेलियै।
सबलोक मुक्ती पाबे आ उसब सत बात बुझे कैहके ओकर इक्छाछै।