1 मोसाके बेबस्था आबैबला उतम बातसबके खास रुप नै चियै, महज उ त छाह मातरे चियै। ओहैसे साले-साल चरहाइबला एके किसिमके बलीसे परमेस्वरके लग आबैबला लोकसबके सिध करैले नै सक्तै।
ओइसबके करैबला काम त स्वरगमे भेल बातके नकल आ छाह मातरे चियै। कथिलेत मोसा पबितर पाल बनाइ बखत परमेस्वरसे एहेन आग्या पाबने छेलै, “देख, पहारमे तोरा देख्याल नमुना बमोजिम तु सबचिज बनाइहे।”
महज खिरिस्ट अखुन अपनासबसङे भेल सब असल बातसबके परधान पुजारी भ्याके एलै। उ औरो असल आ सिध पालमे गेलै, जे लोकके हाथसे बनल नै छै अरथात सिरिस्टी करल अइ सन्सारके चिजो नै चियै।
यि सब पछा आबैबला बातसबके छाह मातरे छेलै महज बास्तबिक बात त खिरिस्टे चियै।
जे चिज स्वरगके चिजसबके परतिरुप मातरे छेलै यदि ओकरा सुध करैले एहैन किसिमके बिधीके आबस्यक छेलै त, स्वरगके चिजसबके सुध करैले ओहौसे असल बलिदानके आबस्यक छेलै।
इजराएलीसबके परधान पुजारी त आपन नै महज पसुके बलीके लहु ल्याके साले पिछे महापबितर ठामभितर ढुकैछेलै, महज खिरिस्ट त बेर-बेर आपनेसे बलिदान हैले नै गेलै।
बेबस्था जे करैले नै सक्लै, से परमेस्वर करल्कै, कथिलेकी अपनासबके पापी स्वभाबके कारनसे बेबस्था कमजोर भेलै। परमेस्वर अपनासबके पापसे छुटकरा करैके लेल आपनेसब जखा आपन बेटाके देहमे पठेल्कै आ उ खिरिस्टके देहके बलिदान कैरके अपनासबके पापके नास करल्कै।
मोसाके बेबस्था अनुसार लेबीके कुलके लोक पुजारी हैके अधिकार पाबने छेलै, महज ओइसबके कामसे सब लोकसबके सिध करैले नै सक्लै। ओहैसे लेबी कुलके हारुनके सन्तानसे पुजारी नै भ्याके मल्कीसेदेक जखा दोसर पुजारीके खाचो नै परतियै।
उ आपन लहुके छिटकासे अपनासबके हिरदयके सुध करने छै आ सुध पानीसे अपनासबके देहके धुवाइनेछै। ओहैसे अपनासब साँचो हिरदय आ पक्का भरोसाके साथ परमेस्वरके लग चल।