14 अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके कुरूस बाहके औरो कोनो चिजमे घमन्ड करैबला बात हमरसे दुरे रहे। ओकर कुरूसके कारन हमर लेल सन्सारके लोभ लालचसब मरल छै आ सन्सारके लेल हम मरल चियै।
हमसब यि जानैचियै कि अपनासबके पुरन्का स्वभाब ओकरसङे कुरूसमे टाङलगेलछै, ताकी अपनासबके पापी स्वभाब नास हेबे आ आबसे पापके दास नै हेबी।
हमर पहिन्का स्वभाब खिरिस्टेसङे कुरूसमे मरल छै। आबसे हम नै महज खिरिस्ट हमरमे जियैछै। जे जिबन अखन हम सरिरमे जियैचियै से परमेस्वरके बेटामे बिस्बास कैरके जियैचियै कथिलेत उ हमरा परेम करल्कै आ हमर खातिर उ बलिदान भेलै।
हम तोरासबके लग रहैतखिना येसु खिरिस्ट आ कुरूसमे भेल ओकर बलिदान बाहेक किछो नै बोलैके पक्का करनेछेलियै।
सत हिसाबसे खतना करैबला त हम्हीसब चियै कथिलेत पबितर आत्मासे परमेस्वरके आराधना करैचियै आ खिरिस्ट येसुमे हमसब गर्ब करैचियै। हमसब बाहरके कोनो रितिथितीमे भरोसा नै करैचियै।
हमरा यि सुसमाचार सुनाइले लाज नै लागैछै, कथिलेकी बिस्बास करैबला सबलोकके मुक्ती दैकेलेल यि सुसमाचार परमेस्वरके सक्ती चियै, जे पहिने यहुदीसबके लेल आ बादमे गैर-यहुदीयोसबके लेल चियै।
महज उसब, जे खिरिस्ट येसुके चियै, उसब आपन पाप स्वभाबके इक्छा आ ललसा कुरूसमे काटी ठोइकके मारनेछै।
तैखातिर लोक उपर कोइ नै घमन्ड करे। कथिलेत सबकुछ तोरेसबके चियौ,
तैखातिर हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, बिस्बासमे बलगर आ अस्थिर रह। तुसब परभुके काममे बरहैत जो, कथिलेत तुसब जानैचिही कि परभुमे तोरासबके मेहनत बेरथ नै हेतौ।
येसु खिरिस्ट अपनासबके अइ दुस्ट सन्सारसे बचाइके लेल परमेस्वर आ पिताके इक्छा मुताबिक पापके खातिर बली भेलै।
महज हमसब त कुरूसमे टाङल खिरिस्टेके परचार करैचियै, जे यहुदी लोकसबके लेल ठेस लागैबला बात चियै आ गैर-यहुदीसबके लेल मुरुख बात चियै।
अहँ, ओनङ करनाइ ठिक नै छै। पापेके खातिर अपनासब मरल चियै, तब कनङके पाप करैत जियैले सक्बै?
हम जे काम कैर रहलचियै से काम कैरते रहबै, ताकी ओइसबके करल काम हमरे बराबर चियै कैहके उसब घमन्ड करैके मौका नै पाबे।
उ आइबके सब बटिदारसबके माइरदेतै आ अङगुर खेत औरो लोकसबके द्यादेतौ।” लोकसब यि बात सुइनके कहल्कै, “एहेन कहियो नै हेबे!”
यदि खिरिस्टमे धरमी ठहरैले कोसिस करैतखिना हमसब दोसी भेटाइबै त, कि खिरिस्ट पापके बढावा दैछै त? कदापी नै।
कथिलेत हम त बेबस्थाके पालन करैले खोजलियै त ओह्या बेबस्था हमरा दोस लगेल्कै। तब परमेस्वरके लेल जिये सकी कैहके बेबस्थाके पालन कैरके मुक्ती पाबैके लेल कोसिस करैले छोइरदेलियै।
तब कि बेबस्था परमेस्वरके परतिग्याके बिरोधमे छै त? कदापी नै। यदि बेबस्था पालन कैरके लोकसब अनन्त जिबन पाबैले सक्तियै त, बेबस्थे लोकसबके परमेस्वरके अगा धरमी ठहराइतियै।
हम तोरासबके पहिनो बहौत बेर कहनेचियौ, अखुन हम कानैत कहैचियौ, कि बहुतो लोक खिरिस्टके कुरूसके दुस्मन जखा जिबन जियैछै।
तुसब खिरिस्टसङे मैरके यि सन्सारके आधारभुत सिदान्तसबसे छुटकारा पाबनेचिही त, कथिले तुसब यि सन्सारके नियमसब पालन करैचिही?