महज डरपोकसब, बिस्बास नै करैबलासब, घिनलागैबला काम करैबलासब, हतियारासब, बेबिचारीसब, जादु-टोना करैबलासब, मुरती पुजा करैबलासब आ झुठ बोलैबलासबके ठाम त आइग आ गन्धक बरैबला भठिमे हेतै। यि दोसर मिरतु चियै।”
कथिलेत पापी स्वभाबके ललसा पबितर आत्माके आ पबितर आत्माके ललसा पापी स्वभाबके बिरोध करैछै। यि दुनु एक दोसरके दुस्मन चियै आ तोरासबके करैले चाहल बात कहियो पुरा हैले नै देतौ।
हमर कहैले चाहैबला बात यि चियै कि हमरमे अरथात हमर पाप स्वभाबमे कोनो असल चिज बास नै करैछै, कथिलेत असल काम करैले हमर इक्छा हैतोपरभी यि करैले नै सकैचियै।