17 कथिलेत पापी स्वभाबके ललसा पबितर आत्माके आ पबितर आत्माके ललसा पापी स्वभाबके बिरोध करैछै। यि दुनु एक दोसरके दुस्मन चियै आ तोरासबके करैले चाहल बात कहियो पुरा हैले नै देतौ।
यदि तुसब पाप स्वभाबके इक्छा अनुसार चलबिही त, तुसब मरबिही। महज पबितर आत्माके सक्तीसे पाप स्वभाबके नास करबिही त, तुसब अनन्त जिबन पाबबिही।
लोक त खाली देहमे जलम दैछै महज पबितर आत्मा आत्मिक जलम दैछै।
जागल रह आ जाँचमे नै परे खातिर तुसब परथना करैतरह। आत्मा त साँचोके तैयार छै महज देह दुरबल छै।”
बास्तममे अपनासब भुलचुकमे बहौतरा गल्ती करैचियै। बोलि-बचनमे कहियो गल्ती नै बाजैबला लोक सिध लोक चियै। उ लोक आपन पुरा सरिरमे लगाम लगाइले सक्तै।
तब येसु घुइमके पतरुसके हपारल्कै, “ऐ सैतान, हमरसे दुर चैल जो, तु हमर लेल बाधाके कारन चिही। कथिलेत तु परमेस्वरके बातमे नै, महज लोकसबके बातमे धियान दैचिही।”
तब येसु चेलासबके कहल्कै, “तुसब कथिले सुइतरहलची? उठ आ जाँचमे नै परै खातिर परथना कर।”
“जे लोक हमर साथमे नै छै, उ हमर बिरोधमे छै। जे हमरसङे नै बिछछै, उ छिरियाइछै।
तब कि बेबस्था परमेस्वरके परतिग्याके बिरोधमे छै त? कदापी नै। यदि बेबस्था पालन कैरके लोकसब अनन्त जिबन पाबैले सक्तियै त, बेबस्थे लोकसबके परमेस्वरके अगा धरमी ठहराइतियै।
पतरुस कहल्कै, “परभु, हम अहाँसङे जहलमे जाइले आ मरैले तयार चियै।”
येसु ओकरा कहल्कै, “हे योनाके बेटा सिमोन, तु धैनके चिही! कथिलेत यि बात तोरा लोकसे नै बल्की स्वरगमे रहैबला हमर पितासे परगट भेलछौ।
धैनके चियै धारमिकताके खातिर भुखल-पियासलसब, कथिलेत उसब अघाइतै।