10 तुसब हमर कहल बातसबसे दोसर दिसन मन नै लागबिही कैहके हमरा परभुमे पुरा भरोसाछै। जेसब तोरासबके बहक्याके गलत रस्तामे ल्याजेतौ ओइसबके परमेस्वर सजाय देतै।
तोरासबके अलमलमे राखैबलासब त खतना मातरे कथिले, बरु पुरे अङ काटलासे निक हेतियै।
अपनासब आत्मिक रुपमे परिपक भेलसबके ओहिने बिचार करेपरतै। ककरो ककरोमे फरक बिचार छै त परमेस्वरे तोरासबके परकट कैरदेतौ।
बास्तममे दोसर सुसमाचार नै छै, महज कोइ-कोइ एहेन छै, जे तोरासबके अलमलमे पाइरके खिरिस्टके सुसमाचारके बिगारैले चाहैछै।
हम एबै त हमरा खुसी दैबला लोकसबसे हमर चित नै दुखे कैहके हम उ चिठी लिखने छेलियै। कथिलेकी हमरा आनन्द हेतौ त तोरोसबके आनन्द हेतौ कैहके हमरा पक्का बिस्बास छै।
ओइसबमे परैबला हुमेनियस आ अलेक्जेन्डर चियै। उसब परमेस्वरके बदनामी करैले छोरे कैहके हम ओकरासबके सैतानके हाथमे सोइप देलियै।
आबसे हमरा कोइने दुख देबे, कथिलेत हम खिरिस्ट येसुके दास चियै से परमान देखाबैले आपन देहमे ओकर चोटके डामसब धारन करनेचियै।
झुठा बिस्बासीसब त तोरासबके उपर बहुत मतलब देखाइछौ, महज असल सोइचके त नै। उसब त हमरसे दुर कैरके आपने दिसन तानैले चाहैछौ।
हे मुरुख गलातीके बिस्बासी लोकसब, तोरासबके के मोहनी लग्याके मोइह लेल्कौ? तोरेसबके आँखेके अगा येसु खिरिस्ट कुरूसमे टाङलगेल बात अस्पस्ट रुपसे कैहदेनेछेलौ।
उसब मन्डलीके मुख अगुवासब मानल गेलोपरभी हमर समादमे कोनो सल्लाह नै देल्कै। (उसब जतहेक बरका हेबे हमरा ओइसे कोनो फरक नै परतै, कथिलेत परमेस्वर ककरो मुह देखके नियाय नै करैछै)।
खतनाके यि बात उठलै कथिलेत कतहेक झुठा बिस्बासीसब बहाना कैरके अपनासबके बिस्बासीसबके जेरमे एलै। उसब खिरिस्ट येसुमे भेल अपनासबके स्वतन्तरताके चेवा करैले आ हमरासबके बेबस्थाके दास बनाइले चाहैछेलै।
जब तुसब पुरा रुपसे खिरिस्टके आग्या मानबिही तब आग्या नै मानैबलासबके सजाय दैकेलेल हमसब तैयार हेबै।
उ लोकके सैतानके हाथमे सोइप दहै, ताकि ओकर पापी स्वभाब नास हेबे आ परभुके नियाइके दिनमे ओकर आत्मा बाचे।
हमसब सुन्नेचियै कि, हमरासबके बिचसे कोइ-कोइ अहाँसब लग जाके हमरासबके आदेसे बेगर अहाँसबके मनमे तकलिफ कैरके कतहेक बातसे दुख देने छै।
तोहर आग्या पालनमे पुरा भरोसा कैरके यि चिठी लिखैचियौ कि हमर माङलहासे बेसी तु आपने करबिही।
हमरासबके कहल सब बात तुसब माइनते आइबरहल चिही आ माइनते जेब्ही से परभुमे हमरासबके पुरा भरोसा छै।
अखुन हम तोरासबसङे रहतियौ त नमरतासाथ बात करैले सकतियौ। महज अतेक दुर से हम कथी करबौ? हम दोधारमे परल चियौ।
हमरा डर भ्यारहल छै, कि हम तोरासबके खातिर बेरथेमे दुख करलियै?
हम तोरासबसे दुर भेल बखत यि लिखैचियौ, ताकि तोरासबलग एबौ त परभुके देल अधिकारके करासाथ परयोग करैले नै परे। यि अधिकार तोरासबके बिगारके लेल नै महज सुधारैके लेल हमरा देनेछै।
हम तोरासबलग एबौ त उ कठोरता नै देखाइले परे जे कठोरता हमसब सन्सारके लोकसब जखा चलैचियै कैहके संका करैबला लोकसबके देखाइके लेल हम निस्चय करनेचियै।
हमसब ओइसबसङे एकटा औरो भाइके पठाबैचियौ। हमसब ओकरा बहुतो बेर जाँचलियै आ काम करैमे एकदमे जोसगर पाबलियै। अखनियो तोरासबपरती ओकर बरका भरोसा छै आ मदत करैले औरो जोसगर भेलछै।
हम रमाहट करैचियै, कथिलेकी तोरासबमे हमरा पुरा भरोसा छै।
अहैलेल आबसे हमसब ककरो लोकके दिरिस्टीसे नै देखब। हमसब खिरिस्टके एक समय लोकके दिरिस्टीसे देखै छेलियै महज आबसे ओकरा हमसब ओनङके नै देख्बै।
बहुमतसे देल सजाय ओइ लोकके लेल बहुत चियै।
हमरा यि बातके पुरा भरोसा भेलाके कारन, तोरासबलग पहिने आबैके इक्छा करलियै ताकि तोरासबके दोबर फैदा हेबे।
ओनङ त तुसब सतके बाटमे असलेसे दौरैछेल्ही। के तोरासबके सतके पालन करैले बाधा देल्कौ?