9 महज आब त तुसब परमेस्वरके चिन्हनेचिही या परमेस्वर तोरासबके चिन्हने छौ। महज तुसब कनङ फेर अइ सन्सारके कमजोर रितिरिबाज दिसन लागैचिही आ कथिले ओइसबके दास बनैले चाहैचिही?
महज जे लोक परमेस्वरके परेम करैछै, परमेस्वर ओकरा चिन्हैछै।
कि तुसब अतहेक मुरुख भेलचिही, कि तुसब खिरिस्टिय जिबन पबितर आत्मासे सुरु कैरके आपने सक्तिसे पुरा करैले चाहैचिही?
बेबस्था जे करैले नै सक्लै, से परमेस्वर करल्कै, कथिलेकी अपनासबके पापी स्वभाबके कारनसे बेबस्था कमजोर भेलै। परमेस्वर अपनासबके पापसे छुटकरा करैके लेल आपनेसब जखा आपन बेटाके देहमे पठेल्कै आ उ खिरिस्टके देहके बलिदान कैरके अपनासबके पापके नास करल्कै।
अपनासब जानैचियै कि परमेस्वरके बेटा आइबगेल छै आ सत परमेस्वरके चिन्हैले उ अपनासबके समझसक्ती देने छै। हमसब ओकर बेटा येसु खिरिस्टमे भेलासे सत परमेस्वरमे चियै। ओह्या सत परमेस्वर आ अनन्त जिबन चियै।
महज उसब अपनासबके परभु आ मुक्तीदाता येसु खिरिस्टके चिन्हके सन्सारके घिनलागैबला बातसबसे छुटकरा पाबलाके बाद फेनसे पापमे परैछै त ओकरासबके दसा पहिनेसे औरो बेसी खराब हैछै।
मोसाके बेबस्था कमजोर आ बेकामके भेलाके कारन खारेज भेलछै।
महज तैयो परमेस्वरके आपनेसे बनेल्हा जग सबदिन अटल छै। ओइ जगमे एहेन लिखल छै: “परभु आपन लोकसबके चिन्हैछै” आ “परभुके नाम लैबला सब गोरा खराब कामसे दुर रहे परतै।”
हम अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके महिमाके पिता, परमेस्वरके यि परथना करैचियै कि उ तोरासबके बुइध आ परकासके आत्मा देबे ताकी तुसब ओकरा असलसे चिन्हैले सके।
“अन्हारमे इजोत चम्के” कहैबला परमेस्वरे हमरासबके हिरदयमे इजोत चमकाइनेछै। अहैलेल परमेस्वरके महिमा महान चियै कैहके हमसब जानैचियै। साँचोके उ महिमामय ग्यानके इजोत खिरिस्टके चेहरामेछै।
अखुन हमसब ऐनामे धोनराह देखैचियै, महज ओइ बखतमे साफ-साफ देख्बै। अखुन हम कमे बुझैचियै महज ओइ बखत परमेस्वर हमर बारेमे सब बात जानल जखा, हम्हु सब बात जान्बै।
परमेस्वर सन्सार बनाबैसे पहिने ओकरासबके चिन्हने छेलै आ उसब ओकर बेटा येसु खिरिस्ट जखा बने आ उ सब भाइ-भैयासबसे जेठ हेबे कैहके चुनल्कै।
अनन्त जिबन एह्या चियै कि, उसब अहाँ एक मातरे सत परमेस्वरके आ अहाँके पठाएल येसु खिरिस्ट चियै से जाने।
हमर भेंरासब हमर बोली सुनैछै। हम ओइसबके चिन्हैचियै आ उसब हमर पछा-पछा आबैछै।
“असल चरबाह हम्ही चियै। हम आपन भेरासबके चिन्हैचियै आ भेरोसब हमरा चिन्हैछै,
“हमर पिता हमरा सबचिज सोइप देने छै। बेटा के चियै से पिता बाहेक कोइ नै चिन्हैछै, पिताके चियै से बेटा बाहेक कोइ नै चिन्हैछै महज बेटा जेकरासबके चिन्हादैछै उसब मातरे पिताके चिन्हैछै।
होसमे या आ आबसे पाप नै कर। कथिलेत तोरासबमेसे कतहेक गोरे परमेस्वरके नै चिनहने चिही। यि त तोरासबके लेल सरमके बात चियौ।
कथिलेकी कोइ तोरासबके दास बनाइछौ, तोरासबके सोसन करैछौ, तोरासबसे फाइदा उठाइछौ, तोरासबके अगा धाख लगाइछौ आ तोरासबके गालमे थपराइछौ तैयो तुसब सब सहैचिही।
खिरिस्ट आबैसे पहिने हमसब सेहो ओहिनङे छेलियै आ अइ सन्सारके रितिरिबाजके अधिनमे छेलियै।
बरु तजा अङगुरके मध लबके छलाके थैलीमे राखेपरैछै।