31 अहै खातिर हे भाइ-भैयासब, अपनासब नोकरनीके सन्तान नै महज स्वतन्तर जनिके सन्तान चियै।
अहैलेल परमेस्वरके बेटा तोरासबके छुटकारा देतौ त, साँचेके तुसब छुटकारा पाबबिही।
भाइ-भैयासब, तुसब स्वतन्तर हैले बोल्याल गेलचिही। यि स्वतन्तरताके आपन पाप स्वभाबके इक्छा पुरा करैले परयोग नै कर। बरु परेमसे एक दोसरके भलाइ कर।
खिरिस्ट अपनासबके स्वतन्तर करने छै। तहैलेल बौकार भ्याके खरा हो आ फेनसे बेबस्थाके दास हैले नै परे।
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, अबराहमके दुइटा बेटा छेलै, एकटा नोकरनीसे आ दोसर आपने घरबालीसे।
महज पबितर धरमसास्तर कथि कहैछै? “नोकरनी आ ओकर बेटाके घरसे निकाइल दहै कथिलेत नोकरनीके बेटा स्वतन्तर जनिसे जलमल बेटासे कोनो हक नै पाबतै।”