3 खिरिस्ट आबैसे पहिने हमसब सेहो ओहिनङे छेलियै आ अइ सन्सारके रितिरिबाजके अधिनमे छेलियै।
तुसब खिरिस्टसङे मैरके यि सन्सारके आधारभुत सिदान्तसबसे छुटकारा पाबनेचिही त, कथिले तुसब यि सन्सारके नियमसब पालन करैचिही?
होसियार रह, कोइ नै तोरासबके दरसन सास्तर या लोकसबके छल कपटसे बातमे फसाबे। एहेन बातसब खिरिस्टसे नै महज लोकसबके परम्परा आ सन्सारके सिक्छासे एलछै।
महज आब त तुसब परमेस्वरके चिन्हनेचिही या परमेस्वर तोरासबके चिन्हने छौ। महज तुसब कनङ फेर अइ सन्सारके कमजोर रितिरिबाज दिसन लागैचिही आ कथिले ओइसबके दास बनैले चाहैचिही?
खतनाके यि बात उठलै कथिलेत कतहेक झुठा बिस्बासीसब बहाना कैरके अपनासबके बिस्बासीसबके जेरमे एलै। उसब खिरिस्ट येसुमे भेल अपनासबके स्वतन्तरताके चेवा करैले आ हमरासबके बेबस्थाके दास बनाइले चाहैछेलै।
अहै खातिर हे भाइ-भैयासब, अपनासब नोकरनीके सन्तान नै महज स्वतन्तर जनिके सन्तान चियै।
तहै खातिर बिस्बासीके कन्हामे यि जुवा राइखके कथिले परमेस्वरके परिक्छा करैचिही? यि जुवा नै त अपनासबके पिता-पुरखा नै त आपनेसब बोके सक्लियै।
कथिलेत तुसब फेनसे दास बनैले डरके आत्मा नै पाबनेचिही बरु तुसब पोसपुत हैले पबितर आत्मा पाबनेचिही, तैल्याके हमसब परमेस्वरके “हे हमर अब्बा, पिता!” कैहके पुकारैचिही।
येसु आपन उपर बिस्बास करैबला यहुदीसबके कहल्कै, “यदि तुसब हमर बचनके पालन करैत रहबिही त, साँचोके तुसब हमर चेला चिही।
येसु लोकसबके देल आग्या आ नियमके आधारमे पुजारी नै भेलछै, महज कहियो नास नै हैबला जिबनके सक्तीके आधारमे पुजारी भेलछै।
हागार जे अरब देसके सिनै पहारके बुझल जाइछै तकर तुलना अखुन्का यरुसलेमसे करल जाइछै, कथिलेत उ आ ओकर सब बेटा-बेटीसब बेबस्थाके अधिनमे छै।
तब बेबस्था कथिले देल्कै? पाप चिन्हाबैके लेल देल्कै आ परतिग्या करल अबराहमके सन्तान नै आबैतक ओकर आवसेक परलै। परमेस्वर कुछ स्वरगदुतसबसे बेबस्था मोसाके देल्कै, उ परमेस्वर आ लोकके बिचमे मिलाप कराइबला छेलै।
“हे सब थाकल आ बोझसे दाबल लोकसब, हमरलग या, हम तोरासबके बिसराम देबौ।
अपनासबके यि बात थाहेछै कि बेबस्था त आत्मिक चियै कथिलेकी यि परमेस्वरसे आबल छै। महज हम देहके पाप स्वभाब अनुसार चलैबला आ दास जखा पापमे बेचलगेल लोक चियै।
कथिलेकी कोइ तोरासबके दास बनाइछौ, तोरासबके सोसन करैछौ, तोरासबसे फाइदा उठाइछौ, तोरासबके अगा धाख लगाइछौ आ तोरासबके गालमे थपराइछौ तैयो तुसब सब सहैचिही।
उ आपन बाबुके निरधारित समयतक उ एकटा गारजन आ रेखदेख करैबलाके अधिनमे रहैछै।
तुसब परमेस्वरके चिन्हैसे पहिने बहुतो देबी-देउतासबके पुजा करैछेल्ही, जे परमेस्वर नै चियै। तुसब ओकर दास छेल्ही।
अइसे हमसब यि बुझैले सकैचियै कि, उ दुइटा जनी परमेस्वरके दुइ करारके उदाहरन चियै। हागार सिनै पहारके पुरन्का करार जखा चियै। ओते परमेस्वर लोकसबके बेबस्था देने छेलै आ ओकरसे जलमल बेटा-बेटीसब दाससब चियै।
तोरासबके बिस्बास करला अतहेक दिन भेलछौ कि तुसब सिक्छक भ्याजेबाके चाही, महज अखुनो तोरासबके कोइ कोइ परमेस्वरके बचनके छोट छोट बात सिखाबे परलछै। तोरासबके ठोस भोजन नै, बल्की बच्चा जखा दुधके आबसेक्ताछौ।