26 महज स्वरगके यरुसलेम सारा स्वतन्तर छै आ अपनासब स्वतन्तर यरुसलेम माँ के बेटा-बेटीसब चियै।
महज तुसब त सियोन पहार अरथात जिबित परमेस्वरके सहर स्वरगिय यरुसलेममे एलचिही। जते अनगिन्ती स्वरगदुतसब आनन्द मनाबैछै।
महज हमसब त स्वरगके नागरिक चियै। मुक्ती दैबला हमरासबके परभु येसु खिरिस्ट स्वरगसे एतै कैहके हमसब ओकर बाट ताकैचियै।
तब हम परमेस्वरसे बरके लेल कनिया जखा सिङगार-पटार करल, अरथात पबितर सहर, लया यरुसलेम, स्वरगसे निचा आबैत देखलियै।
जे जित्तै, तकरा हम आपन परमेस्वरके मन्दिरके एकटा खम्हा बनाइबै आ ओतेसे उ कहियो नै बाहर निकल्तै। हम ओकरामे परमेस्वरके नाम आ हमर परमेस्वरके सहरके नाम अरथात स्वरगसे निचा आबैबला यरुसलेम लिख्बै तब ओइमे हमर आपन लया नाम सेहो लिख्बै।’
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, अबराहमके दुइटा बेटा छेलै, एकटा नोकरनीसे आ दोसर आपने घरबालीसे।
तुसब पापसे छुटकारा पाइबके असल काम करैबला परमेस्वरके दास भेलचिही।
पाप तोरासबमे अधिन नै करे, कथिलेकी तुसब बेबस्थाके अधिनमे नै, महज परमेस्वरके अनुगरहमे बचल चिही।
अहैलेल परमेस्वरके बेटा तोरासबके छुटकारा देतौ त, साँचेके तुसब छुटकारा पाबबिही।
तुसब स्वतन्तर लोक जखा जिबन बिता। आपन स्वतन्तरताके खराब काम करैके लेल बहना नै बना, महज परमेस्वरके दास भ्याके असल काम कर।
खिरिस्ट अपनासबके स्वतन्तर करने छै। तहैलेल बौकार भ्याके खरा हो आ फेनसे बेबस्थाके दास हैले नै परे।
ओकर कपारमे एक रहसमय नाम लिखल छेलै, “महान बेबिलोन, सन्सारके बेबिचारनी आ अधलाह काम करैबलासबके महताइर चियै।”
हागार जे अरब देसके सिनै पहारके बुझल जाइछै तकर तुलना अखुन्का यरुसलेमसे करल जाइछै, कथिलेत उ आ ओकर सब बेटा-बेटीसब बेबस्थाके अधिनमे छै।
तकरबाद अकासमे एकटा अचमके बरका चेन्हा देखा परलै। एकटा जनि देखा परलै, जे सुरुज पिन्हने छेलै, जकर टाङके निचामे चान आ मुरमे बारहटा तराके मुकुट लगेने छेलै।