25 हागार जे अरब देसके सिनै पहारके बुझल जाइछै तकर तुलना अखुन्का यरुसलेमसे करल जाइछै, कथिलेत उ आ ओकर सब बेटा-बेटीसब बेबस्थाके अधिनमे छै।
तोरासबके हाथसे छुबैले नै सकैबला सिनै पहारमे नै एलचिही, आइगके धिधरा, करिया मेघ, खुटखुट अन्हार, हबा-बिहाइरके लगो नै एलचिही।
हमरसे पहिन्का परेरितसबसङे सल्लाह लैले हम यरुसलेम नै गेलियै, महज तुरन्ते अरब देस गेलियै आ घुइमके दमस्कस सहरमे एलियै।
उसब कहल्कै, “ए गालिलके लोक, तुसब कथिले अकास दिसन ताकैत ठडा भेलचिही? येसु त स्वरगमे गेलौ, जैहनङ अखुन स्वरगमे जाइत देखलिही, ओहिनङ ओकरा फेनो आबैत देखबिही।”
उसब तोरा आ तोहर सन्तानसबके धरतीमे पटकतौ, पथल उपर पथलोके बाकी नै छोरतौ, कथिलेकी तु आपन उपर भेल परमेस्वरके किरपाके समय नै जाने सकलिही।”
“ए यरुसलेमके लोकसब! तुसब अगमबक्तासबके मारैचिही आ परमेस्वरके दुतसबके पथल बरसाचिही! जनङ मुरगा आपन बच्चासबके डेन तरमे घोसाइरके राखैछै, तहिना कतेक बेर हम तोहर लोकसबके भेला करैले चाहलियौ, महज तुसब नै मानलिही।
“ए यरुसलेमके लोकसब! तु अगमबक्तासबके मारैचिही आ परमेस्वर तोरासबलग पठेल्हासबके पथलसे मारैचिही। जनङ मुरगा आपन बच्चासबके डेन तरमे राखैछै, ओहिने हम बहुतो बेर तोहर बच्चासबके बचाइले चाहलियै, महज तु नै मानलिही।
अइसे हमसब यि बुझैले सकैचियै कि, उ दुइटा जनी परमेस्वरके दुइ करारके उदाहरन चियै। हागार सिनै पहारके पुरन्का करार जखा चियै। ओते परमेस्वर लोकसबके बेबस्था देने छेलै आ ओकरसे जलमल बेटा-बेटीसब दाससब चियै।
महज स्वरगके यरुसलेम सारा स्वतन्तर छै आ अपनासब स्वतन्तर यरुसलेम माँ के बेटा-बेटीसब चियै।