24 अइसे हमसब यि बुझैले सकैचियै कि, उ दुइटा जनी परमेस्वरके दुइ करारके उदाहरन चियै। हागार सिनै पहारके पुरन्का करार जखा चियै। ओते परमेस्वर लोकसबके बेबस्था देने छेलै आ ओकरसे जलमल बेटा-बेटीसब दाससब चियै।
हागार जे अरब देसके सिनै पहारके बुझल जाइछै तकर तुलना अखुन्का यरुसलेमसे करल जाइछै, कथिलेत उ आ ओकर सब बेटा-बेटीसब बेबस्थाके अधिनमे छै।
यि सब घटनासब अपनासबके खातिर उदाहरन हेबे कैहके अपनासबके चेताबनीके लेल लिखल गेलै। आब हमसब अइ सन्सारके अन्तके समयमे आइबगेल चियै।
तब अहिनङे अगमबक्ताके कहल बचन पुरा भेल छै- “हम तोरासबसे खिसामे बात करबौ आ सन्सार सिरिस्टीके सुरुवेसे जे बातसब झापल छेलौ से बात हम कहबौ”।
भेंरासबके महान चरबाहा अपनासबके परभु येसु आपन लहु बहाके सबदिन रहैबला करार बान्हनेछै। ओहै लहुके आधारमे सान्ती दैबला परमेस्वर ओकरा मिरतुसे फेनसे जियाइल्कै।
तुसब त परमेस्वर आ लोकसबके बिचमे लबका करार बान्हैबला मध्यस्तकरता येसुलग एलचिही। तुसब हाबिलके लहुसे बेसी असल बातके परतिग्या करैबला येसुके लहुमे एल चिही।
इसहाक मरबो करतै त परमेस्वर ओकरा जियाइले सक्तै कैहके अबराहम बिस्बास करल्कै आ साँचोके अबराहम इसहाकके मरलसे जिबित भेल जखा फेनसे पाबल्कै।
यह्या किरियासे येसुके उतम करारके जमानत बनाइछै।
खिरिस्ट अपनासबके स्वतन्तर करने छै। तहैलेल बौकार भ्याके खरा हो आ फेनसे बेबस्थाके दास हैले नै परे।
आ सबकोइ एके आत्मिक पानी पिल्कै, कथिलेत उसब सङे-सङे यातरा करैबला आत्मिक चटानसे निकलल पानी पिल्कै आ उ चटान खिरिस्ट छेलै।
कथिलेत तुसब फेनसे दास बनैले डरके आत्मा नै पाबनेचिही बरु तुसब पोसपुत हैले पबितर आत्मा पाबनेचिही, तैल्याके हमसब परमेस्वरके “हे हमर अब्बा, पिता!” कैहके पुकारैचिही।
खिरिस्ट आबैसे पहिने हमसब सेहो ओहिनङे छेलियै आ अइ सन्सारके रितिरिबाजके अधिनमे छेलियै।