22 महज येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबलासबके परमेस्वरके परतिग्याके आसिस पाबैले सके कैहके सबके पापके अधिनमे राखल छै कैहके धरमसास्तर कहैछै।
कथिलेत सबलोक दया पाबे कैहके परमेस्वर ओइसबके अटेरमे छोइरदेनेछै।
ओहै कारनसे परमेस्वरके परतिग्या करल सबदिन रहैबला अनन्त उतराधिकारी पाबे कैहके उ बोलेल्हासबके लेल खिरिस्ट लया करारके मिलाप कराबैबला चियै, कथिलेत पहिन्का करारके समयमे लोकसबके करल पापसे छुटकरा दैले उ मरलै।
खिरिस्टमे बिस्बास करैबला बाट परकट नै हैसे पहिने हमसब बेबस्थाके अधिनमे छेलियै आ हमसब कैदी जखा भेलछेलियै।
उ अपनासबके एकटा परतिग्या करने छै, उ परतिग्या अनन्त जिबन चियै।
जे कोइ परमेस्वरके बेटामे बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। जे कोइ परमेस्वरके बेटाके नै मानैछै, से कोइ अनन्त जिबन नै पाबतै महज ओकर उपर परमेस्वरके करोध परतै।
हम सन्सारके इजोत बैनके एलचियै, तैल्याके हमरा बिस्बास करैबला कोइने अन्हारमे रहतै।
“हम साँचोके तोरासबके कहैचियौ, जे हमर बचन सुनैछै आ हमरा पठाइबलाके उपर बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। उ नियाइमे नै परतै, महज मिरतुसे पार भ्याके उ जिबनमे परबेस करने छै।
महज हमसब त परमेस्वरके परतिग्या करल लया स्वरग आ लया पिरथिबीके लेल असियाल चियै। जते धरमी लोकसब मातरे रहैछै।
ओकर महिमा आ भलाइके कारन उ अपनासबके अनमोल आ महान परतिग्यासब उ अपनासबके देनेछै, ताकी अइ सन्सारके अधलाह इक्छासे आबैबला बेकार बातसे बाँइचके इस्वरीय स्वभावमे सहभागी हो।
हम पावल, परमेस्वरके इक्छासे येसु खिरिस्टमे चुनल परेरित चियै। येसु खिरिस्टमे भेल अनन्त जिबनके परतिग्या सुनाइके लेल परमेस्वर हमरा पठाइने छै।
यदि तुसब खिरिस्टके चिही त अबराहमोके सन्तान चिही आ परमेस्वरके परतिग्या बमोजिम हकबला सेहो चिही।
यदि तु येसुके हमर परभु चियै कैहके आपन मुहसे सुइकार करबिही आ परमेस्वर ओकरा मरलसे जिबित करल्कै कैहके आपन हिरदयमे बिस्बास करबिही त तोहर उधार हेतौ।
सिरिस्टीके पहिन्का लोक आदम दुवारा सन्सारमे पाप एलै आ ओकरे पापसे मिरतु एलै। अहिनङ कैरके लोकसबमे मिरतु फैलगेलै कथिलेत सबकोइ पाप करने छेलै।
कथिलेत सबलोक पाप करने छै आ परमेस्वरके महिमा तक पुगैले चुकल छै।
तब उसब कहल्कै, “परभु येसुमे बिस्बास कर तब तु आ अहिनङ कैरके तोहर घर-परिबार उदार पाबतौ।”
येसु परमेस्वरके बेटा, मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास कर आ बिस्बासके कारन ओकर नाममे तुसब जिबन पाबबिही कैहके यि सब बात अइ किताबमे लिखलगेल छै।
कथिलेत हमर पिताके इक्छा यि चियै, कि बेटाके ताकैबला आ ओकरा बिस्बास करैबला सबकोइ अनन्त जिबन पाबे। हम ओकरा अन्तके दिनमे मरलसे जिबित करबै।”
हमर कहैके मतलब यि चियै कि, परमेस्वर आपनेसे परतिग्या करल बातमे मोहर लग्यादेने छै। महज चार सय तिस बरिसके बाद एल बेबस्था परमेस्वरके लग्याल मोहर मेट्याके ओकर परतिग्या रद नै कैरसकैछै।
अहैसे अबराहमके देल आसिस खिरिस्ट येसुसे औरो जातीके लोकसबके मिलैछै आ परमेस्वरके परतिग्या करल पबितर आत्मा अपनासब बिस्बाससे पाबैले सकैचियै।
बिस्बास करैबला आ बप्तिस्मा लैबलासब उदार पाबतै। महज बिस्बास नै करैबलासब दोसी ठहरतै।
अहिनङ कैरके, येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबला सबके परमेस्वर धरमी ठहराइनेछै, कथिलेत उ ककरो भेदभाव नै करैछै।