4 खतनाके यि बात उठलै कथिलेत कतहेक झुठा बिस्बासीसब बहाना कैरके अपनासबके बिस्बासीसबके जेरमे एलै। उसब खिरिस्ट येसुमे भेल अपनासबके स्वतन्तरताके चेवा करैले आ हमरासबके बेबस्थाके दास बनाइले चाहैछेलै।
कथिलेकी परमेस्वरके आदर नै करैबला कोइ-कोइ पैहनिए दोसी ठहरल लोकसब तोरासबके बिचमे ककरो थाह नै द्याके ढुकल छौ। उसब परमेस्वरके नै मानैछै। परमेस्वरके देल अनुगरहके अधलाह कामसब करैले हथियार बनाइनेछै तब येसु खिरिस्टके एक मातरे परभु आ मालिक चियै सेहो कहैले इन्कार करैछै।
खिरिस्ट अपनासबके स्वतन्तर करने छै। तहैलेल बौकार भ्याके खरा हो आ फेनसे बेबस्थाके दास हैले नै परे।
खिरिस्ट आबैसे पहिने हमसब सेहो ओहिनङे छेलियै आ अइ सन्सारके रितिरिबाजके अधिनमे छेलियै।
हम बेर-बेर यातरा करैबखत लदिसबके, समुन्दरके, सहरके, उजार जगहके आ डाकुसबसे, आपने जाइतके लोकसबसे, आनजातके लोकसबसे, झुठा सिक्छकसबसे आबैबला खतरामे परलियै।
हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हमरसङे पबितर आत्मा छै कहैबला जकरे-तकरेमे बिस्बास नै कर, महज ओइसबसङे परमेस्वरके आत्मा छै कि नै छै, जाँचके देख कथिलेत बहौत झुठा अगमबक्तासब सन्सारमे एलछै।
ओइसबके स्वतन्तर कराबैके परतिग्या करैछै महज उसब आपने भरस्टताके दास चियै, कथिलेकी लोक जे चिजके बसमे पैर जाइछै, उसब ओहै चिजके दास बैन जाइछै।
कथिलेत तोरासबमेसे कोइ-कोइ घर-घरमे ढुइकके पापे-पापसे दाबल आ अधलाह इक्छासबसे भरल मुरुख जनिजाइतसबके आपन बसमे राखैछै।
तुसब हमर कहल बातसबसे दोसर दिसन मन नै लागबिही कैहके हमरा परभुमे पुरा भरोसाछै। जेसब तोरासबके बहक्याके गलत रस्तामे ल्याजेतौ ओइसबके परमेस्वर सजाय देतै।
कथिलेकी कोइ तोरासबके दास बनाइछौ, तोरासबके सोसन करैछौ, तोरासबसे फाइदा उठाइछौ, तोरासबके अगा धाख लगाइछौ आ तोरासबके गालमे थपराइछौ तैयो तुसब सब सहैचिही।
कथिलेकी एहेन लोकसब झुठा परेरितसब आ छली काम करैबलासब चियै। उसब खिरिस्टके परेरितसबके भेस धैरके चलैबलासब मातरे चियै।
आब परभु आत्मा चियै आ जते परभुके आत्मा छै ओते स्वतनन्तरता रहैछै।
अहैसबके बिचसे झुठ बात सिखाइबला लोकसब निकल्तौ, जे बिस्बासीसबके बहक्याके आपन दिसन तान्तौ।
हमसब सुन्नेचियै कि, हमरासबके बिचसे कोइ-कोइ अहाँसब लग जाके हमरासबके आदेसे बेगर अहाँसबके मनमे तकलिफ कैरके कतहेक बातसे दुख देने छै।
जब कुछ लोकसब यहुदिया परदेससे एन्टिओखियामे आइबके बिस्बासीसबके अनङ सिक्छा देबे लाग्लै, “जाबेतक तुसब मोसाके नियम जखा खतना नै करबिही ताबे तक तुसब मुक्ती नै पाबबिही।”
तुसब स्वतन्तर लोक जखा जिबन बिता। आपन स्वतन्तरताके खराब काम करैके लेल बहना नै बना, महज परमेस्वरके दास भ्याके असल काम कर।
हागार जे अरब देसके सिनै पहारके बुझल जाइछै तकर तुलना अखुन्का यरुसलेमसे करल जाइछै, कथिलेत उ आ ओकर सब बेटा-बेटीसब बेबस्थाके अधिनमे छै।
हम घमन्डसे जे बात बोइलरहलचियौ से बात हम परभुके अधिकारसे नै, महज मुरुख जखा बोइलरहलचियौ।
कथिलेत तुसब फेनसे दास बनैले डरके आत्मा नै पाबनेचिही बरु तुसब पोसपुत हैले पबितर आत्मा पाबनेचिही, तैल्याके हमसब परमेस्वरके “हे हमर अब्बा, पिता!” कैहके पुकारैचिही।
बास्तममे दोसर सुसमाचार नै छै, महज कोइ-कोइ एहेन छै, जे तोरासबके अलमलमे पाइरके खिरिस्टके सुसमाचारके बिगारैले चाहैछै।
महज जे लोकसबके छुटकरा दैबला सिध बेबस्था निहाइरके ध्यान लगाबैछै आ ओइमे लागल रहैछै, उ सुइनके नै बिसरैछै महज पालन करैछै, उ आपनेसे करल काममे आसिस पाबतै।
बरु तजा अङगुरके मध लबके छलाके थैलीमे राखेपरैछै।