जब उसबके सुसमाचारके सत्यता अनुसार चलैत नै देखलियै तब हम सबके अगा पतरुसके कहलियै, “तुसब यहुदियो भ्याके गैर-यहुदीसब जखा जिबनबेतित करैचिही त, कथिले गैर-यहुदीसबके यहुदी बेबस्था पालन करैले कर लगाबैचिही?”
जब कुछ लोकसब यहुदिया परदेससे एन्टिओखियामे आइबके बिस्बासीसबके अनङ सिक्छा देबे लाग्लै, “जाबेतक तुसब मोसाके नियम जखा खतना नै करबिही ताबे तक तुसब मुक्ती नै पाबबिही।”
हम त मुरुख जखा भेलियै, महज तुहिसब हमरा एहेन करैले कर लगेलिही। बास्तममे तोरेसबके हमर पक्छमे निक बात बोलैले परतियौ, कथिलेत हम किछो नै छेलियै तैयो महान परेरितसबसे त हम कम नै चियै।
स्तिफनस मारल गेलाके बाद परभु येसुमे बिस्बास करैबलासब उपर जब सताबट बरहे लाग्लै तब चारुदिसन छिरियागेलै आ कोइ फोनिके इलाकामे पुग्लै त कोइ साइपरस टपु त कोइ एन्टिओखिया सहर तक पहुचलै। महज सुरु-सुरुमे उसब यहुदीसबके बिचमे मातरे सुसमाचार परचार करैछेलै।
महज परभुमे बिस्बास करैबला फरिसी दलके कुछ लोक ठार भ्याके कहेलाग्लै, “गैर-यहुदीसबके यहुदी चलन अनुसार खतना करनाइ जरुरी छै आ ओइसबके आग्या देल जाय कि मोसाके नियम पालन करे।”