8 महज हमसब तोरासबके परचार कैरसकल सुसमाचारसे उल्टा सुसमाचार यदि हमरासबमेसे कोइ या कोनो स्वरगदुते परचार करैछै त, उ लोक सरापित हेबे।
हम यि बात पैहिनो कहनेचियौ आ अखुन्तो कहैचियौ, तोरौरके जे सुसमाचार सुइकार करनेचिही, ओइके उल्टा कोइ परचार करैछै त, उ लोक सरापित हेबे।
कोइ परभुके परेम नै करतै त उ सरापित हेबे। हे अपनासबके परभु, आबु!
यदि हमर आपने जातिके इजराएली लोकसब मुक्ती पाबैछै त, हम खिरिस्टके सराप सहैले आ ओकरसे अलगो हैले तयार चियै।
“तकरबाद उ आपन बमा कता भेल्हासबके कहतै, हे परमेस्वरसे सराप पाबलाहा लोकसब। हमरसे दुर चैल जो! सैतान आ ओकर दुतसबके लेल तैयार करल कहियो नै मुझाइबला आइगमे चैल जो।
ओइसबके आँख बेबिचारसे भरल रहैछै आ कतबो पाप करैछै तैयो नै मन भरैछै। उसब चनचल मन भेल्हासबके फुस्यालैछै। ओकरसबके मन लोभसे भरल रहैछै। ओहैसे परमेस्वरके सराप ओइसबके उपरमे परलछै।
तकरबाद उसब मुल पुजारीसब आ यहुदी अगुवासब लग ज्याके कहल्कै, “पावलके नै मारै तक हमसब कुछो नै खेबै कैहके किरिया खेनेचियै।
मन्डलीमे फुट आनैबलाके एक दुइ बेर चेता, यदी उ नै मानैछौ त ओकरसङे कोनो समबन्ध नै राख।
खिरिस्ट अपनासबके खातिर सरापित भ्याके अपनासबके बेबस्थाके सरापसे मोल तिरके छुटकरा देल्कै, कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “काठमे लटक्याल लोक सरापित हैछै।”
तैखातिर हम तोरासबके यि बात बुझ कैहके चाहैचियौ, कि परमेस्वरके आत्माके अगुवाइमे चलैबला कोइ नै “येसु सरापित हेबे” कहतै आ पबितर आत्माके अगुवाइसे मातरे कोनो लोक “येसुवे परभु चियै” कैहके आपन मुहसे सुइकार करैले सक्तै।
महज पतरुस किरिया खाइत कहल्कै, “जे लोकके बारेमे अहाँसब हमरा कहैचियै, उ लोकके हम नै चिन्हैचियै!”
बेबस्था पालन कैरके धरमी हैले चाहैबलासब सरापके अधिनमे रहैछै कथिलेत पबितर धरमसास्तर कहैछै, “बेबस्थाके किताबमे लिखल सब बात नै मानैबला लोकसब सरापित हैछै।”
हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, तोरासबके सिख्याल सिक्छाके बिपरित सिखाइबला लोकसबसे होसियार रह। यि तोरासबके फुट करेतौ आ बिस्बाससे बहकेतौ। ओहन लोकसबसे दुरे रह।