14 हम आपन जातीमे आ आपन तुरियामे ओइसबसे अगा भ्याके यहुदी धरमके पालन करैछेलियै आ हमर पिता-पुरखाके परमपरासबमे एकदम जोसगर छेलियै।
होसियार रह, कोइ नै तोरासबके दरसन सास्तर या लोकसबके छल कपटसे बातमे फसाबे। एहेन बातसब खिरिस्टसे नै महज लोकसबके परम्परा आ सन्सारके सिक्छासे एलछै।
उसब हमरा बहुत पहिनेसे जानैछै आ यदी उसब चाहतै त यि बातके गबाही द्या सकैये कि हम आपन धरमके एकटा बहुत कटरबादी पन्थमे रैहके एक फरिसी जिबन बिताइने चियै।
तुसब ओकरा नै देख्नेचिही तैयो परेम करैचिही। अखैन तुसब नै देखैचिही तैयो ओकरमे बिस्बास करैचिही आ बखाने नै करेसकैबला गौरबमय आनन्दमे तुसब खुसी चिही।
तब पावल कहल्कै, “हम किलिकियाके टारसस सहरमे जलमल यहुदी चियै, महज हमर अहै यहुदी सहरमे गुरु जी गमलिएलके चरनमे सिक्छा-दिक्छा भेलै। हमसब पिते-पुरखासे मानैत ऐल धरमसास्तरके सिक्छा हम असलसे सिख्ने चियै। आइ अहाँसब परमेस्वरिय सेबा परति जतहेक उत्साह देखेने चियै, हम्हु ओतबेहेक उत्साह देखेने रहियै।
ओकरा आपन माँ-बाबुके सेबा करैके कोनो जरुरी नै परतै।’ अहिनङे तुसब आपन रितिरिबाजके खातिर परमेस्वरके बचनके बेकाम कैरदेने चिही।
“हम्हु सोचै छेलियै कि, येसु नासरीके नामके बिरोधमे बहुत काराबाही करेके परतै।
पावलके बात सुनलाके बाद उसब परमेस्वरके इस्तुती करल्कै। तकरबाद उसब पावलके कहल्कै, “हौ पाबल भाइ, अते हजारो-हजार यहुदीसब परभुमे बिस्बास कैरके मोसाके देल बेबस्थाके करा साथ पालन करैछै।