1 हम पावल, परेरित हैले लोकसबसे या कोनो लोकसे नै एलचियै, महज येसु खिरिस्टसे आ ओकरा मरलसे जियाइबला परमेस्वर पितासे पठालगेल चियै।
हम पावल, परमेस्वरके इक्छासे खिरिस्ट येसुके परेरित हैकेलेल बोल्याल गेल चियै। हमरसङे अपनासबके भाइ सोस्थेनेसके तरफसे सेहो यि चिठी लिखैचियौ।
बिस्बास योग्य साक्छी आ मिरतुसे सबसे पहिन्का बेर जिबित भेल सन्सारके रजा सबके रजा, येसु खिरिस्टके तरफसे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले। उ अपनासबके परेम करैछै आ आपन लहुसे अपनासबके पापसे छुटकरा देनेछै।
हम पावल, येसु खिरिस्टके दास, यि चिठी लिखैचियौ। परमेस्वर हमरा परेरित हैले बोलाइल्कै आ ओकर सुसमाचार परचार करैले अलग करने छै।
खिरिस्टके पबितर जनसबमेसे हम सबसे तुच्छ चियै तैयो खिरिस्टके महान सम्पतीके सुसमाचार गैर-यहुदीसबके सुनाइबला बरदान परमेस्वर हमरा देल्कै।
ठिक समयमे उ आपन बचन परगट करल्कै। जे बचन सुनाबैले अपनासबके मुक्तीदैबला परमेस्वरके आग्यासे हमरा जिम्मा देने छै।
हम पावल, परमेस्वरके इक्छासे खिरिस्ट येसुके परेरित हैकेलेल बोल्याल आ अपनासबके भाइ तिमोथीसे सेहो, कोरिन्थ सहरमे रहल परमेस्वरके मन्डलीके आ अखैया परदेसके चारुदिसन रहैबला खिरिस्टके पबितर जनसबके यि चिठी लिखैचियौ।
हम पावल, परमेस्वरके इक्छासे येसु खिरिस्टमे चुनल परेरित चियै। येसु खिरिस्टमे भेल अनन्त जिबनके परतिग्या सुनाइके लेल परमेस्वर हमरा पठाइने छै।
यदि तु येसुके हमर परभु चियै कैहके आपन मुहसे सुइकार करबिही आ परमेस्वर ओकरा मरलसे जिबित करल्कै कैहके आपन हिरदयमे बिस्बास करबिही त तोहर उधार हेतौ।
हम कहलियै, ‘आब हम कथी करबै, परभु?’ परभु जबाब देल्कै, ‘उइठके दमस्कस सहरमे जो, ओतै तोरा परमेस्वरके खटेल्हा कामसबके बारेमे कहतौ।’
महज आब तु उइठके सहरमे जो, ओते तोरा कथिकरे परतौ से कहलजेतौ।”
“इस्मुरनामे भेल मन्डलीके देख-भाल करैबला दुतके यि लिख, ‘जे सुरु आ अन्त चियै, उ मरियोके जिबित हैबला अनङ कहैछै।
जिबित हैबला हम्ही चियै। हम मरल छेलियै महज आब सबदिनके लेल जिबित चियै, मिरतु आ पतालके कुजीसब हमर हाथमेछै।
ओकरेसे तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करलिही, जे ओकरा मरलसे जिबित करल्कै आ ओकरा महिमा देल्कै, तैल्याके तोरासबके आपन बिस्बास आ भरोसा परमेस्वरमे रहे।
भेंरासबके महान चरबाहा अपनासबके परभु येसु आपन लहु बहाके सबदिन रहैबला करार बान्हनेछै। ओहै लहुके आधारमे सान्ती दैबला परमेस्वर ओकरा मिरतुसे फेनसे जियाइल्कै।
हमरसे पहिन्का परेरितसबसङे सल्लाह लैले हम यरुसलेम नै गेलियै, महज तुरन्ते अरब देस गेलियै आ घुइमके दमस्कस सहरमे एलियै।
ओहैसे येसु खिरिस्ट मरलै आ फेर जिबित भेलै ताकी मरलसब आ जिबीतसब दुनुके परभु हेबे।
तब येसु फेनसे ओकरासबके कहल्कै, “तोरासबके सान्ती मिले! जनङ पिता हमरा पठेल्कै, तहिनङ हम्हु तोरासबके पठाइचियौ।”
पिता आ हम एके चियै।”
तब येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, बेटा स्वयम आपनेसे कुछो करे नै सकैछै, महज पिताके जे करैत देखैछै, उ ओह्या मातरे करे सकैछै, कथिलेत पिता जे-जे करैछै, बेटो ओह्या-ओह्या करैछै।
अहिनङे जिबन दैबलाके तुसब मारलिही, जकरा परमेस्वर मरलसे जियाइल्कै। हमसब यि बातके गबाही चियौ।
महज हमर जलम हैसे पैहनैये परमेस्वर हमरा अलग करल्कै आ अनुगरहसे हमरा आपन काम करैले बोलाइल्कै।