1 हे धियापुतासब, तुसब परभुमे एक भेलाके कारन आपन बाप-महताइरके कहल बात मान, कथिलेत यि बात उचित चियै।
महज जै मसोमातनीके बेटा-बेटी कि नाती-नातिन छै, सबसे पहिने उसब मसोमातनीके देखभाल करे। उसब घरेमे भक्ति-भाव करैले सिखे आ आपन माँ-बाबुके उपकारके करजा सदहावे, कथिलेकी अनङ करलासे परमेस्वर खुसी हैछै।
अइ सन्सारके लोकसब जखा देखासेखी नै कर महज आपन सोच-बिचार परमेस्वरके परिबरतन करैले दहै। तब परमेस्वरके असल, मनपरैबला आ सिध इक्छा कथी चियै से तुसब जानबिही।
बेबस्था अपनेमे पबितर छै। ओहैसे ओकर आग्यासब पबितर, नियाय सङहत आ असल छै।
तकरबाद येसु, मरियम आ योसेफसङे नासरतमे गेलै आ उसबके आग्याकारी भ्याके रहलै। ओकर माँ मरियम यि सबबातसब बिचार कैरके मनमे राखैत गेलै।
परभुके आदरके खातिर अधिकारीसबके अधिनमे रह, चाहे सबसे उपरमे रहैबला रजा हेबे,
तैखातिर हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, बिस्बासमे बलगर आ अस्थिर रह। तुसब परभुके काममे बरहैत जो, कथिलेत तुसब जानैचिही कि परभुमे तोरासबके मेहनत बेरथ नै हेतौ।
हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, ओकरा परमेस्वरके एकटा पबितर जन जखा परभुके नाममे स्वागत कर। तुसब सके जतहेक ओकर जरुरतमे सहायता कर, कथिलेत उ बहुतो लोकके आ हमरो सहायता करने छै।