5 तोरासबके यि बात जानैये परतौ, कि बेबिचार करैबला, अपबितर आ लोभ करैबला लोकके (जे मुरतिपुजा चियै) खिरिस्ट आ परमेस्वरके राजमे कोनो हक नै छै।
डाह, पियकरपन, मोजमजा करनाइ आ अहिनङे काम करैबलासब परमेस्वरके राजके हकदार हैले नै सक्तै कैहके हम तोरासबके चेताबनी दैचियौ आ पहिने सेहो देने छेलियौ।
महज कुतासब जखा खराब लोकसब, जादु-टोना करैबलासब, बेबिचारीसब, हतियारासब, मुरती पुजा करैबलासब, झुठ मन पराइबला आ तै अनुसार जिबन बिताइबलासब सहरसे बाहरे रहतै।
सन्सारमे तुसब आपन देहके इक्छाके मार, जनङ: बेबिचार, अधलाह बात, दुस्ट काम, असुध बिचार आ लोभ जे मुरतिपुजा चियै।
खिरिस्टके पबितर जनसब भेलासे तोरासबके बिचमे बेबिचार, सब किसिमके असुध बात आ लोभ-लालचके नाम लैले नै सुहाबैछै।
महज डरपोकसब, बिस्बास नै करैबलासब, घिनलागैबला काम करैबलासब, हतियारासब, बेबिचारीसब, जादु-टोना करैबलासब, मुरती पुजा करैबलासब आ झुठ बोलैबलासबके ठाम त आइग आ गन्धक बरैबला भठिमे हेतै। यि दोसर मिरतु चियै।”
पाप स्वभाबके कामसब एह्या चियै- बेबिचार करनाइ, अनैतिक काम, निरलज,
सब लोकसबके बिचमे बियाह आदरनिय हेबे। घरबला आ घरबाली बिचके बैबाहिक जिबन बिस्बास योग्य हैकेचाही। कथिलेकी अनैतिक काम करैबला आ दोसरके घरबला या घरबालीसङे बिगरैबला सबके परमेस्वर दन्ड देतै।
कथिलेकी सब परकारके खराबी के जैर रुपैया-पैसाके मोह चियै। कतहेक गोरा अकर पछा लाइगके बिस्बाससे पछा हैट गेलछै आ उसब आपन उपर दुख कस्ट लाबने छै।
अइ सन्सारमे धनिक भेल लोकसबके घमन्डी नै बन कैहके आग्या दहै। अनिस्चीत धन सम्पैतमे नै महज सब चिज परसस्तसे आपनसबके भोग करैले दैबला परमेस्वरमे भरोसा कर कैहके ओइसबके आग्या दहै।
यि काममे नै तोहर कोनो अधिकारे छौ नै कोनो हिस्से, कथिलेत परमेस्वरके नजरमे तोहर मन भरस्ट भेल छौ।
“आब हम तोरासबके परमेस्वरके जिम्मा आ ओकर अनुगरहके बचनमे सौपदैचियौ, जैसे तोरासबके बिस्बासमे मजगुत बनाइले सक्तौ आ पबितर करल लोकसबके सङे उतराधिकार दैले सक्तौ।
वह्या अपनासबके अन्हारके सक्तीसे छुटकरा द्याके आपन दुलरुवा बेटाके राजमे आन्ने छै।