10 कोन-कोन बातसे परभु खुस हैछै, से सिखैले कोसिस कर।
अहै खातिर हिलाबैले नै सकैबला राज पाबलाके कारन अपनासब परमेस्वरके धन्यबाद दहै। ओकरा मनपरैबला किसीमके भक्ती आ आदरकेसाथ ओकर आराधना करु।
यदि कोइ खराब काम कैरके सरासर दन्ड भोग्तै त, उ कनङके चाबसी पाबतै? महज कोइ असल काम कैरते कैरते सरासर दन्ड पाबतै त, परमेस्वर ओकरसे खुसी हेतै।
तुसब जिबित पथल चिही। परमेस्वर तोरासबके परयोग कैरके आपन आत्मिक मन्दिर बन्यारहलछौ, ताकी तुसब पबितर पुजारी भ्याके येसु खिरिस्टसे परमेस्वरके मनपरैबला आत्मिक बलिदान चरहाइले सकबिही।
महज सब बातके जाँच कर आ जे चिज असल छै ओइके पकरने रह।
एहेन परथना करनाइ असल चियै आ अपनासबके मुक्तीदैबला परमेस्वरके एहेने निक लागैछै।
ताकि तोरासबमे असल कथी चियै उ छुटयाबैले सक आ खिरिस्ट आबैबला दिनमे तुसब सुध आ निरदोस हैले सक।
जे एहेन किसिमसे खिरिस्टके सेबा करैछै, उ परमेस्वरके खुस करैछै आ लोकसबसे आदर पाबैछै।
महज जै मसोमातनीके बेटा-बेटी कि नाती-नातिन छै, सबसे पहिने उसब मसोमातनीके देखभाल करे। उसब घरेमे भक्ति-भाव करैले सिखे आ आपन माँ-बाबुके उपकारके करजा सदहावे, कथिलेकी अनङ करलासे परमेस्वर खुसी हैछै।
हम पाबैबलासे बेसी पाबनेचियै। इपाफोरोडिटसके हाथसे पठ्याल तोरासबके गमगम करैबला, परमेस्वरके मनपरैबला आ गरहन योग्य भेटी पाइबके हम सन्तुस्ट भेलचियै।
तब तुसब परभुके मनपरैबला जिबन बिताके ओकरा खुसी करैले सकबिही। सब असल काममे तुसब फल फराइत परमेस्वरके ग्यानमे बैढते जेब्ही।