30 परमेस्वरके पबितर आत्माके दुखी नै बना, कथिलेत पबितर आत्मा तोरासबके छुटकाराके दिनके खातिर भेटल छाप चियौ।
पबितर आत्माके कामके नै रोक।
“हे अटेरी लोकसब, कठोर हिरदय आ बैहरसब, तुसब हरदम पबितर आत्माके बिरोध करैत रहैचिही। तोहर पुरखासब जैहनङ करल्कौ तैहनङ तुहुसब करैचिही।
सिरिस्टी करल चिज मातरे नै, अपनोसब भितरे भितर दुखसे कुहरैचियै। अपनासब परमेस्वरके परतिग्याके रुपमे पबितर आत्मा पाबनेचियै। ओहैसे अपनोसबके कहिया पुरा हकबला ओकर सन्तान बनेतै आ सब खराब बातसे अपनासबके देहके छुटकरा देतै कैहके असियाल चियै।
यदि येसुके मरलसे जिबित करैबला परमेस्वरके पबितर आत्मा तोरासबमे बास करैछौ त, येसु खिरिस्टके मरलसे जिबित करैबला वह्या आत्मा तोरासबके नास हैबला देहके सेहो जिबन देतौ।
ओइसबके हिरदयके कठोर बिचार जाइनके दुखीत भेलै आ खिस्याके उ सबके ताकल्कै तब येसु ओइ लोकके कहल्कै, “तोहर हाथ पसार।” उ हाथ पसारल्कै आ ओकर हाथ पहिने जहिनङ छेलै तहिनङ भेलै।
ओहै कारन हम उ पुस्तासे खिस्याके कहलियै, ‘ओइसबके हिरदय सबदिन हमरसे भटकैत रहैछै, उसब हमर कहल बात नै टेरैछै।’
परमेस्वरके कारन तुसब खिरिस्ट येसुमे चिही, परमेस्वर खिरिस्ट येसुके अपनासबके लेल बुधि, धरमी, पबितर आ पापसे छुटकरा दैबला बनाइल्कै।
परमेस्वर चालिस बरिसतक ककरसे करोध करल्कै? कि उ पाप करैबला लोकसब नै चियै, जे उजार जगहमे मरलै?
जब नास हैबला देह नास नै हैबला देहमे आ मरनसिल देह अमर रहैबला देहके रुपमे परिबरतन हेतै, तब पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल बचन पुरा हेतै, “मिरतु हारलै, जित पुरा भेलै।”
जब यि बातसब हेबे लागतौ तब साहस कैरके ठडा हो आ आपन मुरी उठाके उपर माथे ताक, कथिलेत तोरासबके उदार नजदिक आइबरहल्छौ।”
महज जे ओकर गबाही सुइकार करने छै, उ लोक परमेस्वर सत छै कैहके गबाही दैछै।
तुसब आपने बिचार कर, परमेस्वरके बेटाके अनादर करैबला, आपनेके पबितर बनाइबला करारके लहुके अपबितर करैबला आ अनुगरह दैबला पबितर आत्माके अपमान करैबला लोक औरो बरका सजाय पाबतै।