17 उ आइबके परमेस्वरसे लग भेल यहुदी आ दुर रहल गैर-यहुदी दुनुके बिचमे मेलमिलाप कराइले सुसमाचार सुनाइल्कै।
तोरा थाह छौ कि येसु सबके परभु चियै। परमेस्वर येसु खिरिस्टके मारफतसे सान्तीके सुसमाचार इजराएली लोकसबके पठेल्कै।
कथिलेत यि परतिग्या तोरासबके खातिर, तोरासबके धियापुताके खातिर आ दुर-दुरमे रहैबला सबके खातिर चियै, जकरा सबके परभु परमेस्वर बोलाइछै।”
ओहैसे हमसब खिरिस्टमे बिस्बास करलाके कारन परमेस्वरके अगा धरमी ठहरलचियै आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वरसङे अपनासबके मिलाप भेलछै।
ओहैसे हमसब खिरिस्टके राजदुतसब चियै आ परमेस्वर हमसबसे तोरासबके बिन्ती कैर रहलछौ। तुसब परमेस्वरसङे मेलमिलाप कर कैहके हमसब सेहो खिरिस्टके तरफसे तोरासबके बिन्ती करैचियौ।
“स्वरगमे परमेस्वरके महिमा आ पिरथिबीमे जै लोकसबसे परमेस्वर खुसीछै, ओकरासबके सान्ती।”
यदी उ घरके लोकसब सान्ती पाबैके योग्यके छै त, तोरासबके सान्ती ओइ घरमे रहे महज यदी योग्यके नै छै त तोरासबके देल सान्ती तोरेसबसङे घुइमके एतौ।
महज जे ओकरमे बिस्बासे नै करने छै, उ कनङके ओकरा पुकारतै? जकर बारेमे सुन्बे नै करने छै, तकरमे कनङके बिस्बास करतै? ओकर बारेमे कोइ परचार नै करतै त कनङके सुन्तै?
साँचोके तुसब येसुके सिक्छा सुइनके ओकर चेला भेलाके कारन, ओकर बारेमे सत बात सिखनेचिही।
फेनो येसु ओइसबके एकटा खिसा सुनाइत कहल्कै, “कोन एहेन जनिसब हेतै जकर दस चानीके टकामेसे एकटा हराजेतै त इजोत बाइरके जाबेतक नै भेटतै ताबेतक बरहनीसे बरहाइरके निकसे नै ताक्तै?