12 ताकी हम यहुदीसब खिरिस्टमे पहिनेसे भरोसा करलियै, परमेस्वर आपन परसन्साके खातिर छानल्कै।
अपनासब परमेस्वरके ओकर महिमामय अनुगरहके लेल धन्याबाद चरहा जे मङनिएमे आपन पिरिय बेटामे देनेछै।
परभुके परेम करल भाइ-भैयासब, तोरासबके खातिर हमसब हरदम परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइले बिबस चियौ, कथिलेत परमेस्वर सुरुवेसे तोरासबके मुक्ती दैकेलेल चुनल्कौ। उ मुक्ती तोरासबके पबितर बनाइले पबितर आत्मासे आ सत बातमे तोरासबके करल बिस्बाससे आबैछै।
मन्डलीमे आ येसु खिरिस्टमे पुस्तो-पुस्तातक सबदिन ओकरे महिमा हेबे। आमेन।
उ आपन इक्छा अनुसार सत बचनसे अपनासबके लबका जलम देल्कै, ताकी हमसब ओकर सिरिस्टीके एकटा पहिल्का फल जखा भ्यासकी।
यि काम परमेस्वर अपनासबके येसु खिरिस्टमे करल असिम अनुगरह कतेक महान छै कैहके आबैबला सब दिनमे देखाइके लेल करल्कै।
येसु चेलासबके कहल्कै, “तोरासबके मन बेचैन नै हेबे। तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करैचिही आ हमरोमे बिस्बास कर।
ओकरेसे तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करलिही, जे ओकरा मरलसे जिबित करल्कै आ ओकरा महिमा देल्कै, तैल्याके तोरासबके आपन बिस्बास आ भरोसा परमेस्वरमे रहे।
तब अहै खातिर हम दुख उठाइचियै। महज यि बातके खातिर हम लाज नै मानैचियै, कथिलेत हम ककर उपर बिस्बास करनेचियै से हम निकसे जानैचियै। हम जे कुछ परमेस्वरके सौपने चियै, उ आपन आबैबला दिनतक सुरक्छित राख्तै कैहके पुरा भरोसा छै।