7 तुसब आपन बिस्बासके जैर ओकरमे गैहरतक गारने रह आ ओकरसङे आपन समबन्ध बलगर बनाइत जो। तोरासबके भेटल सिक्छा अनुसार बिस्बासमे अस्थिर भ्याके ओकरा धन्यबाद दैतरह।
तुसब बिस्बास करलासे खिरिस्ट तोरासबके हिरदयमे बास करतौ आ ओकर परेममे तोरासबके जैर बरहैत आ बलगर हैत ज्या कैहके हम परथना करैचियौ।
साँचोके तुसब आपन बिस्बासमे अस्थिर आ बलगर भ्याके सुनल सुसमाचारके आसासे पछा नै हट। एह्या सुसमाचार चियै, जे सन्सारके सब लोकसबके परचार करलगेलछै। हम पावल सेहो एह्या सुसमाचार सुनाइले परमेस्वरके सेबक भेलचियै।
तोरासबके ओकरेसबसे सब असल काममे साहस आ बचनमे सक्ती मिले।
तुसब कुछ समय कस्ट भोग्लाके बाद, अनुगरहसे भरल अपनासबके परमेस्वर, जे तोरासबके खिरिस्टमे अनन्त महिमामे सहभागी हैकेलेल बोलाइनेछौ। उ आपनेसे तोरासबके फेनसे अस्थापना करतौ, सिध करतौ, बलगर बनाके अस्थिर कराइतौ।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके नाममे परमेस्वर पिताके सब बातमे हरदम धन्यबाद दैतरह।
आब अपनासबके परमेस्वरके आदर आ सम्मान हेबे। हमर करल खिरिस्टके सुसमाचार परचारसे उ तोरासबके बिस्बासमे बलगर बनाइले सकलछै। येसु खिरिस्टके बारेमे हमर करल परचार, जे जुगो-जुगसे घोसाइरके राखल छेलै, आब परकट भेलछै।
तोरासबके पापमे परैसे बचाइले सकैबला आ आनन्दसाथ आपन महिमाके अगा तोरासबके निरदोस ठहराइले सकैबला परमेस्वरके परसन्सा हेबे।
तैखातिर हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, बिस्बासमे बलगर आ अस्थिर रह। तुसब परभुके काममे बरहैत जो, कथिलेत तुसब जानैचिही कि परभुमे तोरासबके मेहनत बेरथ नै हेतौ।
अहैलेल अपनासब येसुके नाउमे परमेस्वरके परसन्साके बली सबदिन चरहाइत रह। उहे अपनासबके परभु चियै कैहके सुइकार करैत अपनासबके मुहसे निकलल परसन्सा अपनासबके चरह्याल भेटी चियै।
तुसब किछो कहबिही तैयो, किछो करबिही तैयो सब बात परभु येसुके नाममे कर तब ओकरेसे परमेस्वर पिताके धन्यबाद चरहा।
केहनो परिस्थितीमे परमेस्वरके धन्यबाद दहै, कथिलेकी येसु खिरिस्टमे तोरासबके लेल परमेस्वरके इक्छा यिहे चियौ।
उ एकटा घर बनाइबला मिसतिरी नहाइत हैछै, जे गैहरसे जग खुइनके आपन घर खनखनियामे बनाइल्कै। जब बरका बरसा भेलै, बाइरह एलै, बिहाइर एलै तबो ओकर घरके कोनो छति नै भेलै, कथिलेत उ घर बलगर बनाइने छेलै।
साँचोके तुसब येसुके सिक्छा सुइनके ओकर चेला भेलाके कारन, ओकर बारेमे सत बात सिखनेचिही।
महज, पिरिय भाइसब, तुसब एकदम पबितर बिस्बासमे बौकार हैत जो। पबितर आत्माके सक्तीमे रैहके परथना कर।
परमेस्वरे हमरासबके आ तोरासबके खिरिस्ट येसुमे अस्थिर बनाइनेछै आ अपनासबके नियुक्त करने छै।
तोरासबके परेम भोजमे यि लोकसब कलंक चियौ। उसब दोसर गोराके वास्ता नै कैरके आपन पेट भरैके धियानमे रहैछै। उसब पानी बिनाके बादल जखाछै, जकरा हबा उराके ल्याजाइछै। उसब आपन समयमे फल नै फरैबला आ जैरसे उखैरके मरल गाछसब जखा चियै।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट आबैबला दिनमे तुसब निरदोस रह कैहके उ तोरासबके आखिरतक बौकार बनाइतौ।
अनेक किसिमके अचमके सिक्छाके भरममे नै पर। खाइ पियैबला नियमसे नै महज परमेस्वरके अनुगरहसे हिरदय बौकार भेल असल चियै। ओहेन बिधी पालन कैरके ककरो उपकार नै भेलछै।