21 आब तुसब “यि चलाइले नै मिल्तौ, यि छुबैले नै मिल्तौ, चिखैले नै मिलतौ” कहैबला सन्सारके नियमसब नै मानैले परतौ।
उसब बियाह नै कर कैहके लोकसबके कहैछै आ बहुतो एहेन खाइबला चिजसब खाइले नै मिलैछै कैहके सिखाइछै। महज सत बात जानैबला बिस्बासी लोक धन्यबाद द्याके परमेस्वरके सिरिस्टी करल सब चिज खाइले सकैछै।
ओकरासबसे निकैलके या आ ओइसबसे अलग रह! कोनो असुध चिज नै छु, तब हम तोरासबके सुइकार करबौ कैहके परमपरभु कहैछै।
तुसब खिरिस्टसङे मैरके यि सन्सारके आधारभुत सिदान्तसबसे छुटकारा पाबनेचिही त, कथिले तुसब यि सन्सारके नियमसब पालन करैचिही?
यि नियमसब पालन करैत नास भ्याके चैलजाइछै। यि त लोकसबके बन्याल नियम आ सिक्छासब मातरे चियै।