4 उ भुइयामे खैसपरलै आ तखुन्ते एकटा एहेन अबाज सुनल्कै, “साउल, साउल, तोहे कथिले हमरा सताबैचिही?”
जहिनङे देह एकेटा छै आ ओइमे अङसब बहौत छै, महज अलग-अलग अङसब मिलके पुरे देह बनैछै। खिरिस्टके देह ओहिनङे छै।
परमेस्वर कतहेक दयालु आ कठोर छै से दुनुबात बिचार कर। उ बिस्बास नै करैबलासबके लेल कठोर हैछै महज तुसब ओकर अनुगरहमे सरन लेब्ही त उ तोरासबके दया देखाइतौ। नै त तोरासब काइटके फेकल ठाइर जखा हेब्ही।
कथिलेत अपनासब ओकर देहके अङसब चियै।
के तोरासबके औरोसे बरका बनेल्कौ? कि तोरासबसङे जे छौ, उ परमेस्वर नै देल्कौ? यदि तुसब उ पाबनेचिही त, कथिले घमन्ड करैचिही?
उसबके ख्याल भेलाके बाद येसु सिमोन पतरुसके कहल्कै, “ऐ युहन्नाके बेटा सिमोन, कि तु औरो चेलासबसे बेसी हमरा परेम करैचिही?” उ कहल्कै, “जि परभु, अहाँ के थाहेछै कि हम अहाँके परेम करैचियै।” येसु ओकरा कहल्कै, “हमर पठरुसबके चरा।”
तैपर रजा ओइसबके जबाफ देतै, ‘साँचे हम तोरासबके कहैचियौ कि, जे कुछो तुसब यि भाइसबमेसे सबसे छोटके लेल करलिही, उ हमरे करलिही।’
तब येसु मरियमके कहल्कै, “मरियम!” उ घुइमके हिबरु भसामे कहल्कै, “रब्बी!” जकर अरथ “गुरु जी” चियै।
जब येसु उसबके “हम ओह्या चियौ” कहल्कै तब उसब पछा हटलै आ भुइयामे खैसपरलै।
महज येसु ओकरा कहल्कै, “ए मारथा, तोहे बहुत बातसबसे चिन्ता करैचिही आ उदास रहैचिही।
तब तुरन्ते सफिरा पतरुसके टाङ लग अगामे खस्लै आ मर गेलै। जब जबानसब भितर एलै, ओकरा मरगेलै देखके बाहर बोइकके ल्यागेलै आ ओकर घरबलाके कातमे गाइर देल्कै।
तब साउल कहल्कै, “परभु, अहाँ के चियै?” उ कहल्कै, “हम येसु चियौ, जकरा तु सताबैचिही।