29 तब उ गिरिक बोलैबला यहुदीसबसङे बताबती करैछेलै, महज उसब ओकरा मारैके कोसिस करै।
जब बिस्बासीसबके संख्या बरहै छेलै, तब हिबरुसबके बिरोधमे गिरिक यहुदीसब बताबती करे लाग्लै, कथिलेत दिन-दिने खाइबला चिजसब बाँटै बखत ओइसबके बिधवासब आबसेक्ता बमौजी नै पाबैछेलै।
महज परधान स्वरगदुत मिखाएल सेहो मोसाके लहासके बारेमे सैतानसे तरक बितरक करैतखिना ओकरा अपमान कैरके दोख नै लगाइल्कै। खाली, “परभु तोरा फटकारतौ” कहल्कै।
हम बेर-बेर यातरा करैबखत लदिसबके, समुन्दरके, सहरके, उजार जगहके आ डाकुसबसे, आपने जाइतके लोकसबसे, आनजातके लोकसबसे, झुठा सिक्छकसबसे आबैबला खतरामे परलियै।
ओइसबमेसे कोइ-कोइ साइपरस आ कुरेनीके लोकसब रहै। उसब एन्टिओखियामे आइबके औरो जातीके लोकसबके परभु येसुके सुसमाचार परचार करल्कै।
तब पावल यहुदी सभाघरमे गेलै आ साहसके साथ तिन महिनातक परमेस्वरके राजके बारेमे परचार आ बात-चित करैत लोकसबके बुझाइत रहलै।
जब उसब एफिसस सहरमे पहुचलै तब पावल पिरिस्किला आ अकिलासके ओते रहैले छोइरदेल्कै। तकरबाद पावल एफिससके सभाघरमे ढुइकके यहुदीसबसङे बात-चित करे लाग्लै।
उ यहुदीसबके सभाघरमे ज्याके यहुदी आ परमेस्वरके डर मानैबला गिरिक जातीके लोकसबसे बात-चित करै। ओहिनङे सबदिन बजारमे आबैबला लोकोसबसङे उ खौम बात-चित करै।
महज बरनाबास साउलके आपनसङे परेरितसब लग ल्याके गेलै। तब साउल रस्तामे परभुके देखल आ परभु ओकरसङे बोलल आ दमस्कसमे साहसके साथ येसुके नाममे परचार करलहा बातसब ओइसबके कैहदेल्कै।
हे पिरिय भाइ-भैयासब, तोरासबके आ अपनासबके भेटल मुक्तीके बारेमे हमरा लिखैले बहौत बरका इक्छा छेलै, महज आब पबितर जनसबके सबदिनके लेल सोपल बिस्बासके रक्छा कर कैहके निबेदन करैले तोरासबके लिखैले हम आबसेक बुझलियै।
तकरबाद साउल यरुसलेममे सब सङे घुमफिर करे लाग्लै आ साहसके साथ परभुके नाममे परचार करे लाग्लै,
आ परभुके दरसन पाबलियै तब दरसनमे परभु हमरा कहल्कै, ‘हबर-हबर यरुसलेमसे जल्दीए चैल जो कथिलेत लोकसब हमर बारेमे देल तोहर गबाही नै सुइकारतौ।’