2 आ उ दमस्कसके सभाघरसबके नाममे पुरजी माङल्कै, चाहे उ मरद हेबे या जनि, परभुके बाटमे चलैबला ओइसबके पकैरके यरुसलेम आने सकि कैहके अधिकार माङल्कै।
ओहै बखत “परभुके बाटके” बारेमे परचार भेलासे हुलदङा मच्लै।
महज जब कोइ-कोइ थेथर भ्याके बिस्बास नै करल्कै आ लोकसबके सामने परभुके बाटमे चलैबलासबके बिरोध करे लाग्लै। तैल्याके पावल सभाघर छोइरके चैलगेलै आ कुछ बिस्बासीसबके साथमे ल्याके टुरान्नस नामके सिक्छा दैबला घरमे सबदिन बात-चित करे लाग्लै।
हँ, हम सुइकार करैचियौ कि, परभुके रस्तामे हम चलैचियै, जकरा उसब झुठा पन्थ कहैछै। हम आपन पुरखासबके परमेस्वरके आराधना करैचियै आ मोसाके देल बेबस्था आ अगमबक्ताके किताबमे लिखल बमौजी सब बातमे बिस्बास करैचियै।
महज फेलिक्सके परभुके उ रस्ताके बारेमे निकसे जानकारी भेलाके कारन उ एहेन कैहके उसबके पठादेल्कै, “जबतक सेनापती लुसियस नै एतौ ताबेतक यि मुदाके फैसला नै हेतौ।”
अते ओकरा एफिससमे मुक्ती दैबला परभु येसुके बारेमे सिक्छा मिलल रहै। उ बहौत जोसके साथ येसुके बारेमे असलसे सिखाबैत रहै तैयो ओकर ग्यान बप्तिस्मा दैबला युहन्ना तकमे सिमीत छेलै।
अतौ अहाँके चेलासबके पकरैके अधिकार मुल पुजारीसब ओकरा देने छै।”
“अहिनङ मुख पुजारीसबसे अधिकार आ आग्या पाइबके हम दमस्कस सहर दिसन गेलियै।
फारो हमरासबके जातीके धोखा द्याके हमरासबके पुरखासबके आपन-आपन धियापुता बाहर निकालके राखैले बिबस करने रहै, जेकर कारन भरखर जलमल धियापुतासब मरैछेलै।
महज कतहेक यहुदीसब जे “स्वतन्तर-दल” कहाइबला सभाघरसबके आ कुरेनी, अलेकजेन्डरिया, किलिकिया आ एसियाके लोकसब रहै, उसब स्तिफनसके बिरोधमे खरा भ्याके ओकरसङे बताबती करे लाग्लै।
महज लोकसबसे होसियार रह, कथिलेत उसब तोरासबके अदालतसबमे सोइप देतौ आ सभाघरसबमे लज्याके तोरासबके कोरासे पिटतौ।
येसु कहल्कै, “बाट, सत आ जिबन हम्ही चियै। बिना हमरसे कोइ नै पितालग पुइग सकैछै।
यि बात सुनैबला सबकोइ अच्चम मानैत कहेलाग्लै, “यरुसलेममे येसुके बिस्बास करैबलासबके सताबैबला एह्या नै चियै त? आ अतौ ओइसबके बाइन्हके मुल पुजारीलग लेजेबै कैहके आएल नै छै त?”
हम यरुसलेममे ओहै परकारसे बिरोध करलियै, मुख पुजारीसबके अखतियार पाइबके परमेस्वरमे बिस्बास करैबला लोकसबके जहलमे ढोकलियै आ जब ओइसबके मिरतुदन्ड दैछेलै त हमे ओइसबके बिरोधमे सहमति दैछेलियै।
जब हम दमस्कस सहरमे छेलियै तब अरितस रजाके बडा-हाकिम हमरा पकरैके लेल सहरके देहरीमे सिपाहीसबके पहरा लगाइल्कै।
हमरसे पहिन्का परेरितसबसङे सल्लाह लैले हम यरुसलेम नै गेलियै, महज तुरन्ते अरब देस गेलियै आ घुइमके दमस्कस सहरमे एलियै।