19 तब उ भोजन करल्कै आ ओकरमे फेनसे तागत एलै। साउल ओते कुछदिन तक दमस्कसके चेलासब सङे रहलै।
पहिने दमस्कस आ यरुसलेममे तब सारा यहुदिया परदेसमे आ आनजातसबके सेहो हम ज्याके परचार करलियै कि आपन-आपन पाप माइनके पस्चाताप कैरके परमेस्वरमे बिस्बास करु आ आपन कामसबसे हिरदय परिबरतन भेल परमान देखाबैले सिखेलियै।
हमरसे पहिन्का परेरितसबसङे सल्लाह लैले हम यरुसलेम नै गेलियै, महज तुरन्ते अरब देस गेलियै आ घुइमके दमस्कस सहरमे एलियै।
जब बरनाबास टारससमे साउलके भेटलै तब ओकरा एन्टिओखियामे आनल्कै। उ दुनुगोरे पुरा एक बरिसतक ओतेका मन्डलीमे सङगती करैत रहलै। ओतेका बहौत लोकसबके सिक्छा देल्कै। सबसे पैहने एन्टिओखियामे खिरिस्टके बिस्बासीसबके इसाइ कहल्कै।
यि बात कैहते मातर साउलके आँखसे पपरा जखा कुछो खस्लै आ तखुन्ते उ फेनो देखे लाग्लै। तब उ उइठके बप्तिस्मा लेल्कै,
साउल यरुसलेम एलाकेबाद उ परभु येसुके चेलासबसङे भेट करैले ताकैछेलै। महज उसब डराबैछेलै कथिलेत ओहो येसु खिरिस्टके साँचोके चेला भेलै से बातके बिस्बास नै हैछेलै।
लुड्डा योप्पासे बेसी दुर नै छेलै। चेलासब पतरुस ओतै छै से बात सुइनके ओकरलग दुइ गोरा लोकके अनङ कैहके बिन्ती करैले पठाइल्कै, तब उसब आइबके कहल्कै “परभु, देर नै कैरके अहाँ हमरासबसङे झटसिना आबु।”
तब अगाबसके भबिसबानी सुइनके परभुके बिस्बासीसब यहुदिया इलाकामे रहैबलासबके मदत करैके खातिर उसब जतहेक सक्तै ततहेक भेटी पठाइले बिचार करल्कै।